पटना | बिहार मे सीट बंटवारा केँ ल’ क’ एनडीए मे खटपट चलि रहल अछि, ई आशंका आब खुलि क’ सोझा आबि गेल अछि। खबरि अनुसार सीट बंटवाराक बाद बीजेपीक पुरना सहयोगी पशुपति पारस केंद्रीय मंत्री पद सँ इस्तीफा द’ देलाह अछि। एकर जानकारी ओ दिल्ली मे एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस क’ क’ देलनि। एहि इस्तीफाक पाछू कारण ई छैक जे सीट बंटवारा मे हुनक पार्टी केँ एकहु गोट सीट नहि भेटल अछि। आ ओ अपन वक्तव्य मे कहलनि अछि जे हमरा संग नाइंसाफी भेल अछि। ओ कहलनि जे आब हम तय करब जे कहाँ जयबाक अछि। दिल्ली मे प्रेस कॉन्फ्रेंस मे ओ ई घोषणा कयलनि अछि। राष्ट्रीय लोक जनशक्ति पार्टीक अध्यक्ष पशुपति कुमार पारस कहलनि, 5-6 दिन पहिने हम प्रेस कॉन्फ्रेंस मे कहने रही जे हम ताधरि प्रतीक्षा करब जाधरि एनडीए सीटक घोषणा नहि करत।हम बहुत ईमानदारी सँ एनडीएक सेवा कयलहुँ। पीएम नरेंद्र मोदी देशक पैघ नेता छथि, मुदा हमर पार्टी आ व्यक्तिगत रूप सँ हमरा संग अन्याय भेल अछि। तेँ हम केंद्रीय मंत्री पद सँ इस्तीफा दैत छी।
असल मे 18 मार्च केँ बिहार केँ ल’ क’ एनडीए मे सीटक बंटवारा भेल। जाहि मे बीजेपी 17, जेडीयू 16, चिराग पासवान लोजपा(रामविलास) केँ 5, मांझीक हम आ उपेंद्र कुशवाहाक राष्ट्रीय लोक मोर्चा केँ एक-एकटा सीट भेटल अछि। जाहि मे पारसक पार्टी आरएलजेपीक खाता सेहो नहि खुजल अछि। मने, आरएलजेपी केँ सेहो एकहु टा सीट नहि भेटल अछि। जाहि केँ ल’ क’ पशुपति पारस सहित हुनक पार्टीक आन नेता सभ मे सेहो तामस अछि। आ एहीक कारणेँ ई बताओल जा रहल छैक जे ओ एनडीए सँ नाता तोड़लनि अछि संगहि केंद्रीय मंत्री पद सँ इस्तीफा सेहो देलाह अछि।
हालांकि सीट बंटवाराक खाका त’ पहिनहे तैयार क’ लेल गेल छल। मुदा तकरा बादो पारस केँ उम्मीद छल जे हुनका पर विचार कयल जायत। एहि मामला मे स्वयं पशुपति पारस किछु दिन पूर्व एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस क’ क’ बीजेपीक वरिष्ठ नेता लोकनि सँ सीट बंटवाराक निर्णयक समीक्षा करबाक अपील सेहो कयने छलाह, मुदा तैयो फैसला पारसक अनुरूप नहि आयल। जकरा चलते आब ओ स्वयं कोनो बड़का फैसला ल’ सकैत छथि। बताओल जा रहल अछि जे पारस केँ रूसबाक एकटा कारण इहो छैक जे एहि सीट बंटवारा मे हुनक भातिज चिरागक लोजपा केँ 5टा सीट देल गेल अछि। जाहि मे सँ 4टा सीट पर पारस गुटक कब्जा छल।
अहाँ सभ केँ मोन होयत जे 2019 लोकसभा चुनाव मे एलजेपी एनडीएक संग लड़ल छल। तखन पार्टी दू गुट मे नहि बंटल छल। मुदा एकरा बाद पार्टी दू फाँक भ’ गेल छल। एहि चुनाव मे एलजेपीक 6गोट सांसद जीतल छलाह। जाहि मे पारस सहित 5 गोट सांसद अलग गुट बना लेने छलाह आ पारस ताहि बलें केंद्रीय मंत्री सेहो बनि गेल छलाह। मुदा एहि बेर पासा उलटा पड़ि गेल आ भतीजा चाचा पर भारी पड़ि गेलाह। मने जे सीटे पारसक पार्टी लग छल, ओहि पर आब चिरागक पार्टी चुनाव लड़त।
ओतहि बताओल इहो जा रहल छैक जे महागठबंधन सेहो पशुपति पारसक बातचीत चलि रहल अछि। आ अनुमान इहो छैक जे पारस महागठबंधनक संग सेहो जा सकैत छथि, मुदा एखन ई मात्र चर्चा छैक। एहि सँ पहिने आरएलजेपीक संसदीय बोर्डक अध्यक्ष आ पूर्व सांसद सूरजभान सिंह ई दावा क’ चुकल छथि जे हुनक पार्टीक दावेदारी बिहारक चालीसो सीट पर अछि।
एहना मे ई देखब रोचक होयत जे पारस आबय बला समय मे आब केहन निर्णय लैत छथि। एनडीए मे किरकिरी भेलाक बाद ओ लालूक महागठबंधन मे जयताह वा फेर असगर दम पर बिहार मे चुनाव लड़ताह। चर्चा एहि बातक सेहो छैक जे पशुपति पारस हाजीपुर सँ चिराग पासवानक खिलाफ चुनाव लड़ि सकै छथि। मतलब चाचा-भतीजा एहि चुनाव मे आमने-सामने देखल जा सकैत छथि।
ओतहि एनडीएक एकटा आओर सहयोगी दल उपेंद्र कुशवाहाक सेहो नाराजगीक खबरि सोझा आबि रहल अछि। एनडीएक सीट बंटवारा मे हुनक पार्टी रालोमो केँ मात्र एकटा सीट देल गेल अछि। जखन कि कुशवाहा दू टा सीटक उमेद लगओने छलाह।