Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

Purnia सीट सँ डटल छथि पप्पू यादव, तेजस्वी यादवक बढ़ि सकैत अछि टेंशन!

पूर्णिया । पूबरिया मिथिलाक पूर्णिया लोकसभा क्षेत्र आइ-काल्हि खूब चर्चा मे अछि। चर्चा एहि लेल नहि जे लालू प्रसाद यादवक पार्टी एहिठाम सँ जदयू सँ राजद मे आयल बीमा भारती केँ अपन उम्मीदवार बनौलक अछि, चर्चा एहियो लेल नहि जे एनडीए गठबंधन दिस सँ जनता दल यूनाइटेडक उम्मीदवार संतोष कुशवाहा फेर सँ मैदान मे छथि। बल्कि चर्चाक बाजार एहि लेल गर्म छैक जे एहि लोकसभा क्षेत्र सँ कांग्रेस नेता पप्पू यादव निर्दलीय ताल ठोकि रहलाह अछि। हालांकि कांग्रेस दिस सँ पप्पू यादव पर उम्मीदवारी वापस लेबाक सभ तरहक दबाव बनाओल जा चुकल अछि। मुदा पप्पू यादव एकदम स्पष्ट क’ देलनि अछि जे ओ पूर्णिया सँ अपन उम्मीदवारी नहि छोड़ताह। हालहि मे पप्पू यादव अपन सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स हैंडल पर पोस्ट करैत लिखने छलाह, पूर्णियाक सम्मान मे, अहाँक पप्पू मैदान मे, अहंकार टूटत, पूर्णिया जीतत।

जनतब दी जे महागठबंधन मे राजद सुप्रीमो पूर्णिया सीट केँ अपना कोटा मे रखने छलाह आ एतय सँ बीमा भारती केँ मैदान मे उतारने छथि। जखन कि एही सीट सँ पप्पू यादव सेहो लड़य चाहि रहलाह अछि। से विभिन्न सूत्र सभ सँ भेटल जानकारी अनुसार पप्पू यादव एही शर्त पर अपन पार्टीक कांग्रेस मे विलय करौने छलाह। मुदा, जखन हुनका टिकट नहि भेटल त’ ओ निर्दलीय मैदान मे उतरि गेलाह। कांग्रेस पार्टी लगातार हुनका सँ नाम वापस लेबाक अपील करैत रहल, मुदा पप्पू यादव साफ क’ देलनि जे ओ पाछू हटय बला मे सँ नहि छथि। एतबे नहि पूर्णिया सँ निर्दलीय नामांकन कयलाक बाद पप्पू यादव एकटा बड़का खुलासा सेहो कयलनि। हुनका दिस सँ कहल जा रहल छैक ओ कांग्रेस मे अपन पार्टीक विलय केर मात्रे घोषणा कयने छलाह, पेपर वर्क एखन धरि नहि भेल छैक। एकर मतलब ई भेल जे तकनीकी रूप सँ पप्पू यादव कांग्रेसक सदस्य नहि छथि आ ओ जे किछु करय चाहथि, ताहि पर कांग्रेस केँ कोनो तरहक अनुशासनात्मक कार्रवाई करबाक स्कोप नहि छैक। से पप्पू यादवक अटल निर्णय केँ देखैत राजद प्रत्याशी बीमा भारती सेहो अपना दिस सँ कोनो कसरि नहि छोड़य चाहि रहलीह अछि, ओ नामांकन पर्चा भरलाक पछाति तेजस्वी यादव केँ बजा क’ अपन ताकतक प्रदर्शन सेहो क’ चुकल छथि।

मुदा यथार्थ ई छैक जे एहि सीट पर पप्पू यादवक दावेदारी सँ मुकाबला त्रिकोणीय भ’ गेल अछि आ तेँ सभ सँ बड़का प्रश्न ई छैक जे आखिर एहि चुनावी लड़ाइ मे फायदा ककर हेतैक?

से जँ स्थानीय लोक आ सियासी जानकार सभक मानी त’ एहना स्थिति मे एनडीएक उम्मीदवार संतोष कुशवाहा केँ फायदा होइत देखाइ द’ रहल अछि। एहिठाम इहो बुझब आवश्यक छैक पछिला लोकसभा चुनाव मे सेहो जदयूक संतोष कुशवाहा कांग्रेसक उम्मीदवार उदय सिंह केँ हरौने छलाह। आंकड़ा अनुसार कुशवाहा केँ एहि सीट पर 6,32,924 भोट भेटल छल त’ ओतहि कांग्रेसक उम्मीदवार उदय सिंह मात्र 3,69,463 भोट प्राप्त क’ सकल छलाह आ एहि तरहें संतोष कुशवाहा कुल 2,63,461 वोट सँ जीतल छलाह। हालांकि एकटा पक्ष इहो कहैत अछि जे कोसी क्षेत्र खास क’ पूर्णिया पर पप्पू यादवक विशिष्ट पकड़ छनि तेँ पप्पू यादव केँ हल्का मे लेब ककरो भारी पड़ि सकैए, स्थानीय लोक सभक स्पष्ट मानब छैक जे एहि सीट पर महागठबंधनक जीतक संभावना पर पप्पू यादव पानि ढारि चुकल छथि। मने एखनुक स्थिति अनुसार जीतक प्रबल दावेदार संतोष कुशवाहा आ पप्पू यादव छथि। 

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Akshay Anand

Writer & Editor

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited