स्पोर्ट्स डेस्क । आईपीएल 2024 सँ पहिने महेंद्र सिंह धोनी फेर एक बेर अपन नमहर केशक लेल चर्चा मे छथि। एकरा एना सेहो कहि सकैत छी जे आरसीबीक संग ओपनिंग मुकाबला सँ ठीक पहिने एही लुक मे धोनीक किछु आओर फोटो सोझा आयल अछि।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/03/Snapinsta.app_434141212_3595081034042971_2583161335025657160_n_1080-822x1024.jpg)
मशहूर हेयस्टाइलिस्ट आलिम हकीम ई फोटो सभ इंस्टाग्राम पर जारी कयलनि अछि। किछु तस्वीर मे जतय धोनी एसगर पोज दैत देखल जा रहल छथि, त’ ओतहि किछु फोटो मे ओ आलिम हकीमक संग छथि। आलिम हकीम एहि पोस्टक संग कैप्शन मे लिखलनि अछि, द वन एंड ओनली ऑवर थाला, महेंद्र सिंह धोनी। संगहि ओ किछु इमोजी सेहो लगौने छथि आ धोनी केँ टैग सेहो कयने छथि।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/03/Snapinsta.app_434060263_405273272110146_330064566963928720_n_1080-822x1024.jpg)
जनतब दी जे आलिम हकीमक इंस्टा हैंडल पर जारी फोटो सभ मे धोनी बिल्कुल कूल डूडक अवतार मे नजरि आबि रहलाह अछि। ओ ब्लैक कलरक राउंड नेक स्लीवलेस स्किनी टीशर्ट पहिरने छथि। एकर अतिरिक्त ओ एविएटर फ्रेम गॉगल्स सेहो लगौने देखल जा रहलाह अछि। ब्लू जीन्स, ग’र मे सिल्वर रंगक चेन आ हाथ मे घड़ी पहिरने धोनी बेहद स्टाइलिश नजर आबि रहलाह अछि। एकरा संगहि ओ एकटा ब्लैक कलरक बैग सेहो पाछू टांगि रखने छथि। धोनी अलग-अलग पोज मे फोटो घिचबौने छथि, जाहि मे सँ किछु फोटो मे हुनका संग आलिम हकीम सेहो छथि।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/03/Snapinsta.app_434113141_289267974196211_8424024518279550360_n_1080-822x1024.jpg)
बता दी जे धोनीक तस्वीर सभ देखिते-देखिते वायरल भ’ रहल अछि। भारी संख्या मे फैन्स एहिपर कमेंट सेहो कयलनि अछि। कियो लिखलक अछि बॉलीवुड मे एंट्रीक तैयारी, त’ कोयो लिखलक अछि विंटेज माही इज बैक। एकटा फैन कमेंट कयलनि अछि, कैप्टन कूल, लुकिंग कूल। अहाँ सभ केँ बुझल होयत जे आलिम हकीम मशहूर हेयर स्टाइलिस्ट छथि आ बहुत दिन सँ धोनी हुनका सँ हेयर ग्रूमिंग कराबैत छथि। धोनीक वर्तमान लुक सेहो आलिमे देलनि अछि।