नई दिल्ली | बिहार एनडीए मे सीटक बंटवाराक बाद एहन खबरि आबि रहल छल जे राष्ट्रीय लोक मोर्चाक अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा रूसल छथि। रुसबाक कारण ई छल जे 2024क लोकसभा चुनाव मे हुनका एकटा सीट देल गेल अछि। मुदा, आब खबरि ई निकलि क’ सोझा आबि रहल अछि जे उपेंद्र कुशवाहा केँ मना लेल गेल अछि। आ तकर पुष्टि बिहार बीजेपीक प्रभारी विनोद तावड़े ‘एक्स’ पर एकटा पोस्ट करैत कयलनि अछि। तावड़े उपेंद्र कुशवाहा संग भेल भेंटक फोटो साझा करैत लिखलनि अछि जे ई पहिनहे सँ तय छल जे एकटा लोकसभा सीटक संग-संग एकटा विधान परिषद सीट, जे आब खाली भेल अछि, आरएलएम केँ आवंटित कयल जायत। आइ हम राष्ट्रीय लोक मोर्चाक अध्यक्ष श्री उपेन्द्र कुशवाहा जी सँ भेंट कयलहुँ आ एहि प्रतिबद्धता पर कायम रहबाक आश्वासन देलियनि।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/03/Screenshot-2024-03-19-180932.png)
जनतब दी जे आइ उपेंद्र कुशवाहा सेहो ‘एक्स’ पर विनोद तावड़ेक संग तस्वीर शेयर कयने छलाह आ लिखने रहथि, “आइ हमर दिल्ली आवास पर भाजपाक राष्ट्रीय महामंत्री आ बिहार प्रभारी श्री विनोद तावड़े जी सँ भेंटघाँट भेल। हमरा लोकनि बिहारक सभ 40 लोकसभा क्षेत्र मे एनडीएक जीत सुनिश्चित करबाक रणनीति पर चर्चा कयल।”
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/03/Screenshot-2024-03-19-180945.png)
विश्वस्त सूत्रक मानी त’ उपेंद्र कुशवाहा केँ बिहार मे विधान परिषदक एकटा सीट आ मंत्री पद देबाक भरोस सेहो देल गेल अछि। कुशवाहा केँ बताओल गेलैक अछि जे लोकसभा चुनाव मे कम सँ कम दू गोट विधानपार्षद चुनाव लड़य जा रहल छथि। से हुनका सांसद बनिते विधान परिषदक सीट खाली होयत, जाहि पर उपेंद्र कुशवाहाक पार्टीक कोनो व्यक्ति केँ विधान परिषद पठाओल जायत। उपेंद्र कुशवाहाक पार्टीक ओहि नेता केँ मंत्री पद सेहो देल जायत। बीजेपीक एही ऑफरक बाद कुशवाहा मानलाह अछि।