Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

21 आ 22 मार्च केँ दिल्ली मे होयत दोसर श्याम दरिहरे रंग महोत्सव, बारहमासाक अछि आयोजन

नई दिल्ली | राजधानी दिल्ली क्षेत्र मे सक्रिय नाट्य संस्था बारहमासा रंगमंडल द्वारा साहित्य अकादमी पुरस्कार सँ सम्मानित मैथिलीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार श्याम दरिहरेक स्मृति मे श्याम दरिहरे रंग महोत्सवक आयोजन कयल जयबाक नियार छैक। जनतब दी जे दू दिवसीय ई नाट्य महोत्सव दिल्लीक गोल मार्केट स्थित मुक्तधारा सभागार मे यैह 21 आ 22 मार्च केँ आयोजित कयल जायत। एहि संबंध मे विस्तृत जानकारी दैत मुकेश झा जनौलनि जे एहि उत्सव मे विभिन्न नाट्य मंडली द्वारा मैथिली आ हिंदीक कुल चारि गोट नाटकक मंचन कयल जायत। जाहि मे श्याम दरिहरेक कथा कम्मलक नाट्य रूपांतरण मंचित होयत। जकर निर्देशक मुकेश झा छथि त’ प्रस्तुति आयोजक बारहमासा रंगमंडल द्वारा कयल जायत। तहिना मधुबनीक नाट्य संस्था अछिंजल द्वारा एहि उत्सव मे सखा नामक मैथिली नाटकक मंचन कयल जायत जकर लेखक आ निर्देशक काश्यप कमल छथि। कार्यक्रमक दोसर दिन मैथिलीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार महेंद्र मलंगिया लिखित गोनूक गबाहक मंचन नाट्य संस्था रंग ठिया, दिल्ली द्वारा कयल जयबाक नियार छैक। जकर निर्देशन मायानंद झा कयलनि अछि। तहिना रंगकोसी, सहरसाक बैनर मे एकटा हिंदी नाटक रशोमोन सेहो मंचन  कयल जायत, एकर निर्देशन राजीव रंजन झा कयने छथि। जनतब दी जे ई नाटक मूलतः रूसी लेखक रयोन सुके अकुतागावाक रूसी नाटकक हिंदी अनुवाद अछि।

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Akshay Anand

Writer & Editor

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited