Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

मिथिला चैप्टर, मातृभाषा प्रेमक एकटा पराकाष्ठा छैक। ओ कवि कोकिल विद्यापतिक कहब छैक ने, ‘देसिल बयना सभ जन मिठ्ठा। से बुझू जे हमरा लोकनि एहि उक्ति केँ डीएनए मे उतारि लेलहुँ। तकर परिणाम ई भेल, जे करब, जेना करब बस मातृभाषा मे करब आ मातृभाषा लेल करब। हमरा लोकनि एहि वेबसाइटक अतिरिक्त यूट्यूब सँ प्रिंट मीडिया धरि मैथिलीमय कयने छी। एक दिस जतय हम सभ YouTube आ वेबसाइट पर मिथिला चैप्टरक नाओ सँ लगातार प्रतिष्ठा अरजि रहल छी, संगहि प्रिंट मीडियाक क्षेत्र मे मिथिला आवाजनाम अनवरत लतरि-चतरि रहल अछि। प्रयास अछि जे मातृभाषाक औजार सँ थाकल-ठेहियाएल राजनीति सँ लमौलायल पत्रकारिता धरिक भंगठी ठीक कयल जाय। मैथिलक आँखिक बलेँ वैश्विक स्तर सँ लगाम-पंचायत धरि पर नजरि खिराओल जाय। मूलतः अपन सुख-दुख अपना लोकक संग अपना भाषा मे बांटल जाय।

जखन चौबगली मीडिया पर सत्ताक प्रवक्ता बनबाक आरोप बढ़ल जा रहल अछि, एहना समय हमरा लोकनिक प्रयास अछि जे जनताक वक्ता बनल जाय।

संगहि हमरा लोकनि एतय खबरिक धुमसाहीक बीच बोनस केर रूप मे साहित्य, कला, संस्कृति, लोक-राग, आदिक प्रसार सेहो कोनो एकांत सँ बहराइत कर्णप्रिय धुन जकाँ करबाक यत्न करैत आबि रहल छी।

 

मने, हम मिथिला टू मैथिली भाया मैथिल केँ रिप्रेजेंट कयनिहार मीडिया ब्रांड छी। जकरा अपन ठेंठपना पर गुमान छैक। अहाँ सभक सिनेह अपेक्षित।

If you look at what you have in life, you’ll always have more. If you look at what you don’t have in life, you’ll never have enough. 
-Oprah Winfrey

Meet Our Team

Dr. CM Jha

Dr. CM Jha

Founder
डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क' रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क' रहला अछि।
Ajit Azad

Ajit Azad

Chief Executive Officer
साहेब मिथिला चैप्टरक सरपंच छथि। व्यस्त ततेक, जे दिल्ली सँ मिथिला आ मिथिला सँ बंबइ एक कयने रहै छथि। मेहनतिया छथि। बड़का भारी साहित्यकार आ पत्रकार छथि, से बेर-कुबेर अपन कलिग सभक बीच ज्ञानक धार बहायब हिनक पसंदक काज अछि। स्वयं कहै छथि जे ई हिनक 50म चाकरी छनि आ तकर प्रमाण जे सभक सुनै छथि, मुदा बात अपनहि टा मानै छथि। हँ, एकटा महत्वपूर्ण गप्प जे बिसरल जाइत रही, सर साहित्य अकादमीक अवार्डी छथि, मुदा हाउस मे तकर मानि-मोजर निठ्ठाह मड़ुआक दोबर। कखनो-काल साहेब जखन अपन सुच्चा रूप मे अबैत छथि जे कि कम्मे अबैत छथि त' तखन कवि आ कविताक सामर्थ्य देखय जोग!
Gunjan Shree

Gunjan Shree

Executive Officer
साहेब, मिथिला चैप्टरक खाम्ह छथि। साहित्यकार छथि आ अपन ठसक मे रहब हिनका सभ सँ अलग बनबैत अछि। ई बस देखहे टा मे क्यूट छथि, बाकी सभक 'बाबाधाम' करबाक संवैधानिक अधिकार हिनका प्राप्त छनि। संदेह नहि, जे जँ ऑफिस मे गाॅसिपक गुंजाइश बनैत छैक, त' महोदय ताहि गाॅसिपक सभटा फुटेज एसगर हंसोथि लैत छथि। एकटा बात आओर, साहेब अपना उपर ततेक प्रेशर ल' लेने छथि, जे हिनका भीतरक पत्रकार मरणासन्न अछि। हेबनि मे सुनबा आबि रहल अछि जे साहेब लिखाइ-पढ़ाइ छोड़ि क' चन्दामामा ब्रांड-नेम सँ सत्तू-बेसन-दलिया-अचार बेचि रहल छथि। त' से जे साहित्यिक सत्तूक लेल हिनका सँ संपर्क कयल जा सकैत अछि।
Akshay Aanand Sunnny

Akshay Aanand Sunnny

Executive Editor
साहेब, मिथिला चैप्टरक एकटा प्रमुख अध्याय छथि। मुदा ताहि सँ बड़का आ महत्वपूर्ण बात ई जे एकदम यूनिक प्राणी छथि। हिनका मे अहाँ केँ कोनो टा रस प्राप्त नहि होयत। दुनिया एम्हर सँ ओम्हर किएक नहि भ' जाइ ई अपन खोप मने स्टैंडर्ड भाषा मे केबिन सँ नहि बहरयताह। भराड़ी जकाँ घरारी पर सदति उपस्थित रहै छथि। साहित्य अकादमीक अवार्डी त' इहो महोदय छथि, मुदा हाउस हिनको पर वैह फार्मूला अप्लाइ करैत अछि। छी त'?
Sanjeev Kumar Bittoo

Sanjeev Kumar Bittoo

Creative Head
साहेब, बगय-बानि सँ एकदम बलंठ छथि। मुदा ऑफिस मे सुटकल भेटताह। भीमकाय धुआ-धजा बला एहि व्यक्तिक कपार पर मिथिला चैप्टरक सभटा वीडियो एडिटिंग छार-भार अछि। मुदा, मजाल अछि जाधरि पैर-दाढ़ी नहि पकड़ब, ताधरि ई काज फाइनल करताह। कखनो काल त' एंकर सभ केँ हिनका केबिन मे डेरा खसाबय पड़ैत अछि। सदिखन व्यस्त भेटताह, मुदा कोन काज मे से हुनको ज्ञात नहि रहै छनि।
Vishal Kumar

Vishal Kumar

Graphic designer
साहेब, बौआ छथि। आजुक भाषा मे कही त' Gen-G, से अखबार, थंबनेल, बैनर, पोस्टर, स्टीकर डिजाइन करैत-करैत अपनो मोन रंगीन क' चुकल छथि। आइ काल्हि नैन-मटक्का हिनक फेवरेट सब्जेक्ट छनि। घुइयाँ तेहन जे नजरि सभ दिस रहै छनि, मुदा कहताह किछु नहि देखलियैक, कहाँ किछु सुनलियैक! वीकेंड मे हिनका घर जयबाक पराहि लागि जाइत छनि, एना कही वर्किंग डे मे हिनक प्रमुख काज शनि दिनक प्रतीक्षा करब थिक।

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited