पटना | द प्लुरल्स पार्टीक प्रमुख पुष्पम प्रिया चौधरी इशारा-इशारा मे राजद नेता तेजस्वी यादव पर निशाना साधलीह अछि। ओ जन विश्वास यात्रा पर टोंड कसैत वंशवादी पार्टी करार देलीह। पुष्पम प्रिया कहलीह जे उत्तराधिकारी नकली युवा होइत अछि, बिहार केँ नकली नेता नहि, लीडर चाही, तेँ आब बकवास नहि चलत।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/02/Screenshot-2024-02-27-124850.png)
असल मे पुष्पम प्रिया चौधरी अपन ‘एक्स’ अकाउंट पर लिखने छथि, ‘माई, बाप, A2Z आ नहि जानि की-की! बिहार पहिला क्लासक बच्चा अछि जे ककहरा आ पहाड़ा पढ़ाओल जा रहल छैक? नकली नेता सभक वंशवादी पार्टीक उत्तराधिकारी सेहो नकली युवा होइत अछि। युवा मतलब विवेकानंद, बोस, अंबेडकर, भगत सिंह, मुदा ओ असली लीडर छलाह, मोट-मोट किताब सभ पढ़ैत-लिखैत छलाह, अंग्रेजी अक्षरक हिन्दी हिज्जे नहि लगबैत छलाह। बिहार केँ युवा चाही, लीडर चाही, विकास चाही, मुदा नकली नहि, धूर्त नहि, बकवास नहि।”
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/02/Screenshot-2024-02-27-124905.png)
अहाँ सभ केँ मोन होयत जे जन विश्वास यात्रा पर निकलल तेजस्वी यादव पछिला दिन कहने छलाह जे किछु लोक कहैत छथि जे आरजेडी मात्र माई मने मुस्लिम-यादवक पार्टी अछि। मुदा हम ओहि लोक सभ केँ बता देबय चाहैत छी जे आरजेडी मात्रे माई नहि, बल्कि बापक सेहो पार्टी अछि। ओ एहि क्रम मे बापक मतलब सेहो कहने छलाह। से तेजस्वीक यैह बयान सँ जोड़ि क’ पुष्पम प्रिया चौधरीक ‘एक्स’ पोस्ट केँ देखल जा रहल अछि। कारण, ओहि मे माई, बाप, A2Z सन शब्द सभक चर्च छैक। एहना मे मानल ई जा रहल छैक जे हुनक निशाना पर तेजस्वी छथि।