Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

जन विश्वास यात्रा पर निकलल तेजस्वीक पछबरिया मिथिला मे भेल विरोध, जराओल गेल राजदक झंडा

पूर्णिया | बिहारक पूर्व डिप्टी सीएम आ नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव आइ-काल्हि जन विश्वास यात्रा पर छथि। एही क्रम मे पूर्णिया मे तेजस्वी यादव केँ विरोधक सामना करय पड़ल अछि। नेता प्रतिपक्ष केँ अयलाक बाद अब्दुल्ला नगर बेलोरी मे सैकड़ो लोक तेजस्वी यादवक खिलाफ खूब जमि क’ नाराबाजी आ  हंगामा कयलनि। बताओल जा रहल अछि जे एहि क्रम मे लोक सभ द्वारा राजदक झंडा सेहो जराओल गेल।

असल मे सोमदिन अर्थात् 26 फरवरी केँ तेजस्वी यादव जन विश्वास यात्रा पर पूर्णिया, कटिहार आ कोसी पारक मिथिला पहुँचल छलाह। एहि क्रम मे ओ पूर्णिया पूर्वी प्रखंडक अब्दुल्ला नगरक सैकड़ो लोक सभ सँ भेंट करय बला छलाह आ लोक सभ हुनका अपन व्यथा-कथा सुनाबय चाहैत छलथि। मुदा रातुक 11:00 बजे जखन तेजस्वी यादव बेलौरीक लगीच पहुँचलाह त’ ओ बिना लोक सभ सँ भेंट कयने, बिनु फरियाद सुनने बस नमस्ते क’ आगू निकलि गेलाह। जाहि कारणेँ स्थानीय लोक सभ मे बड़ बेसी आक्रोश देखल गेल। फेर की, आक्रोशित लोक फोरलेन पर आबि राजदक झंडा जरा तेजस्वीक विरोध कयलनि आ खूब नाराबाजी कयलनि।

स्थानीय लोक सभ जनौलनि जे तेजस्वी यादव जन विश्वास यात्रा पर निकलल छथि, मुदा जखन जनतेक विश्वास नहि जीत रहलाह अछि त’ ई केहन जन विश्वास यात्रा भेल। लोक सभक कहलनि जे अब्दुल्ला नगर वार्ड संख्या 42 मे 26 एकड़ जमीन पर ओ सभ 30-40 साल सँ बसल छथि। आब ताहि जमीनक हाईकोर्ट दोसराक पक्ष मे फैसला द’ देलक अछि, जाहि कारणेँ प्रशासन द्वारा एहि मोहल्लाक करीब 500 घर केँ तोड़बाक लेल दू बेर अल्टीमेटम देल जा चुकल अछि। से एही मामला केँ ल’ क’ ओ सभ तेजस्वी यादव सँ भेंट करय चाहि रहल छलाह। ओ सभ भोर 11:00 बजे सँ हुनक प्रतीक्षा मे ठाढ़ छलाह, मुदा तेजस्वी यादव लग 2 मिनट ओहि सैकड़ो पीड़ितक फरियाद सुनबाक लेल नहि छल, जाहि कारणेँ लोक बड़ बेसी आक्रोशित छथि। हालांकि बाद मे प्रशासन आ किछु लोक द्वारा बुझयलाक बाद ओ सभ शांत भेलथि।

जनतब दी जे अब्दुल्ला नगरक खाता संख्या 120क 22 एकड़ जमीन पर बसल सैकड़ो परिवार केँ जमीन खाली करबाक आदेश हाईकोर्ट देने अछि आ एहि केँ ल’ क’ दू बेर पुलिस अल्टीमेटम सेहो द’ चुकल अछि।

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Akshay Anand

Writer & Editor

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited