Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

बिहार मे भाजपाक बड़का खेला, कांग्रेस आ राजदक तीन गोट विधायक बदलनि खेमा

पटना | बिहार मे कांग्रेस आ राजद केँ बड़का झटका लागल अछि। कांग्रेसक दू गोट आ राजदक एकटा विधायक एनडीए ज्वाइन क’ लेलनि अछि। जी, अपने एकदम सही सुनि रहल छी। तीनू विधायक डिप्टी सीएम सम्राट चौधरीक संग देखल गेलाह। कमालक बात त’ ई छैक जे कांग्रेसक पाला बदलय बला विधायक मे सँ एकटा विधायक महागठबंधन सरकार मे मंत्री सेहो छलाह।

लोकसभा चुनाव लगचियाइते बिहार मे दल-बदलक खेल शुरू भ’ गेल अछि। आ यैह क्रम मे खबरि ई आबि रहल अछि जे कांग्रेस आ राष्ट्रीय जनता दल अर्थात् राजदक तीन गोट विधायक एनडीए मे शामिल भ’ गेलाह अछि। सम्राट चौधरी हिनका लोकनि केँ पार्टी मे शामिल करौलनि। बताओल जा रहल छैक जे कांग्रेस विधायक मुरारी गौतम आ सिद्धार्थ सौरभ एनडीए ज्वाइन कयलनि अछि, त’ ओतहि संग लागल राजद खेमाक संगीता देवी सेहो पाला बदलि एनडीए मे शामिल भ’ गेलीह अछि।

जनतब दी जे चेनारी विधानसभा सँ कांग्रेसक विधायक रहल मुरारी गौतम महागठबंधन सरकार मे मंत्री सेहो रहि चुकल छथि, त’ ओतहि सिद्वार्थ सौरभ विक्रम विधानसभा सँ विधायक छथि आ आब पाला बदलि क’ बीजेपी ज्वाइन क’ लेलाह अछि। तहिना राजदक विधायक संगीता देवी, जे कि मोहनिया विधानसभा सँ विधायक छथि, सेहो अपन खेमा बदलि लेलीह अछि।

मतलब साफ छैक जे बिहार मे विपक्षी गठबंधनक एखन धरि कुल छह गोट विधायक पाला बदलि लेलनि अछि। अहाँ सभ केँ मोन होयत जे राजदक तीन गोट विधायक पहिनहि पार्टी सँ कात भ’ गेल छलाह आ आब एकटा आओर विधायक पार्टी छोड़ि देलनि अछि। एकर अतिरिक्त कांग्रेसक सेहो दू गोट आओर विधायक एनडीए ज्वाइन क’ लेलाह अछि, जखन कि पार्टीक एकटा विधायक पहिनहि पाला बदलि लेने छलाह।

हालांकि ई अलग बात छैक जे एहि विधायक सभक सदस्यता केँ ल’ क’ विधानसभा सचिवालय एखन धरि कोनो आदेश जारी नहि कयलक अछि। एकर मतलब ई होइत अछि जे अधिसूचना नहि जारी होयबा धरि कोनो विपक्षी विधायक केँ कोनो सत्ता पक्षक दलक संग जोड़ि क’ नहि गानल जा सकैए।

जनतब इहो जे बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री आ राजद नेता राबड़ी देवी अपन पार्टीक नेताक पाला बदलबा सँ पहिने बीजेपी पर हमला बाजल छलीह। ओ कहने छलीह जे बीजेपी आब बीजेपी नहि रहल। ई जंगल पार्टी बनि गेल अछि, ई गुंडा सभक पार्टी बनि गेल अछि। पहिने सेहो गुंडा राज छल आ आइ सेहो ओहने अछि। ओतहि डिप्टी सीएम सम्राट चौधरी तेजस्वी यादव पर निशान सधैत कहलनि जे ई सभ लुटेरा छथि। पाइ केर बल पर सत्ता हथियाबय चाहैत छथि। सत्ता मे बैसि क’ भ्रष्टाचार करैत रहलाह आ ओकरा हथियाबए लेल पाइक खेल खेलल गेल। एहि मामला पर कार्रवाई होयत।

कारण, जे हो मुदा जाहि तरहें बिहार मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पलटी मारलनि आ तकरा बाद लगातार विपक्षी गठबंधनक विधायक लोकनि खेमा बदलि रहलाह अछि, से सभ देखि लगैत अछि जे बिहार मे एखन एनडीएक हाथ उपर छैक। हालांकि, तेजस्वी यादवक जन विश्वास यात्रा मे भेटि रहल लोकक समर्थन केँ सेहो अबडेरल नहि जा सकैए। 

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Akshay Anand

Writer & Editor

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited