नई दिल्ली | लोकसभा चुनाव केँ ल’ क’ बिहार एनडीए मे सीटक बंटवारा लगभग फाइनल भ’ गेल अछि। हालांकि एकरा ल’ क’ एखन धरि कोनो आधिकारिक जानकारी साझा नहि कयल गेलैक अछि। मुदा सूत्रक मानी त’ बिहार मे बीजेपी 17, नीतीश कुमारक जदयू 16, चिराग पासवानक लोजपा रामविलास केँ 5, उपेंद्र कुशवाहा आ जीतन राम मांझीक हम केँ एक-एकटा सीट देबा पर सहमति बनल अछि। सभ सँ चौंकाबय बला बात ई जे सूत्रक हवाला सँ आयल खबरिक अनुसार, चिराग पासवानक चाचा आ केंद्रीय मंत्री पशुपति पारस केँ एकहु गोट सीट नहि भेटल अछि। सूत्रक मानी त’ बीजेपी दिस सँ पारस केँ राज्यपाल बनाओल जयबाक प्रस्ताव देल गेल अछि।
एहि सभक बीच दिल्ली मे पत्रकार सभक संग बातचीतक क्रम मे चिराग पासवान कहलनि जे हुनक पार्टी लोकसभा चुनावक लेल भाजपाक संग सीट बंटवाराक फार्मूला केँ अंतिम रूप द’ देलक अछि। पासवान भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जे पी नड्डा सँ भेंट कयलाक बाद ई घोषणा कयलनि। ओ कहलनि जे भाजपा हमर सभ चिंताक समाधान कयलक अछि। हम संतुष्ट छी। ओ कहलनि जे एनडीएक घटक दल सभक बीच सीटक तालमेल पर फैसला भ’ गेल अछि जल्दिये एकर औपचारिक घोषणा कयल जायत।
अपन चाचा पशुपति पारसक नेतृत्व बला लोजपा गुटक भविष्यक बारे मे पूछल गेला पर चिराग पासवान कहलनि जे ई हमर चिंताक विषय नहि अछि। एहि सँ पहिने चिराग पासवान ‘एक्स’ पर एकटा पोस्ट मे लिखने छलाह जे एनडीएक सदस्यक रूप मे आइ भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जे पी नड्डा जीक संग बैसार मे हम आगामी लोकसभा चुनावक लेल बिहार मे सीट बंटवारा केँ अंतिम रूप द’ देलहुँ अछि।
ओतहि दोसर दिस बिहार मे विपक्षी गठबंधन ‘इंडिया’क घटक दल सभक बीच सीट बंटवारा केँ ल’ क’ बातचीत जारी अछि। बीतल दिन राष्ट्रीय जनता दल आ कांग्रेसक बीच सीट बंटवारा केँ ल’ क’ बैसार भेल। बैसार मे दुनू पार्टी दिस सँ सीट बंटवारा सहित कतेको अहम चुनावी मुद्दा सभ पर विस्तार सँ चर्चा भेल। आरजेडी सूत्र जनौलक जे बैठक मे आरजेडी कांग्रेस केँ ओकर दावा बला सीट सभ पर प्रत्याशी आ दावाक आधारक जानकारी मांगलक अछि। संगहि,प्रत्याशीक सामाजिक आ राजनीतिक पृष्ठभूमि, ओहि क्षेत्रक सामाजिक स्थिति तथा चुनाव जीतबाक क्षमता केँ ल’ क’ बैसार मे चर्चा कयल गेल। ओतहि कांग्रेस सूत्रक कहब छैक जे बैसार मे सीट बंटवारा पर कोनो सहमति नहि बनि सकल अछि। तेँ जल्दिये दोबारा बैसार होयत। बैसार मे कांग्रेस करीब 15 सीट पर अपन दावेदारी जतौलक अछि।