Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

Sahityotsav 2024 : साहित्य अकादमी क’ रहल अछि दुनियाक सभ सँ पैघ लिट फेस्ट, 175 भाषाक 1100 सँ बेसी लेखक होयताह सहभागी

नई दिल्ली | साहित्य अकादमी अपन वार्षिकोत्सव केँ अविस्मरणीय बनयबाक लेल सभ साल ‘साहित्योत्सव’क आयोजन करैत अछि। से एहियो बेर मनाओल जयबाक नियार छैक। महत्वपूर्ण गप्प ई जे साहित्य अकादमी एहि बरख 70 बरख पूरा क’ रहल अछि, से एहि बरखक ‘साहित्योत्सव’ विश्वक सभ सँ पैघ साहित्योत्सवक रूप मे मनाबय जा रहल अछि।

11 सँ 16 मार्च 2024 धरि दिल्लीक मंडी हाउस क्षेत्र स्थित रवींद्र भवन परिसर मे मनाओल जाय बला एहि उत्सवक संबंध मे विस्तृत जानकारी देबाक लेल  आयोजित प्रेस कांफ्रेंस मे साहित्य अकादमीट सचिव के. श्रीनिवासराव जनौलनि जे 190 सँ बेसी सत्र मे बांटल गेल एहि कार्यक्रम मे 1100 सँ बेसी प्रसिद्ध लेखक आ  विद्वान भाग ल’ रहलाह अछि। एहि मे देशक 175 सँ बेसी भाषाक सेहो प्रतिनिधित्व होयत।

जनतब दी जे एहि साहित्योत्सवक शुरुआत अकादमीक साल भरिक प्रमुख गतिविधि सभक प्रदर्शनी सँ होयत। त’ ओतहि साहित्योत्सवक मुख्य आकर्षण साहित्य अकादेमी पुरस्कार 2023 अर्पण समारोह होयत, जे 12 मार्च केँ कमानी सभागार मे सांझ 5ः30 बजे होयत। एहि पुरस्कार-अर्पण समारोहक मुख्य अतिथि प्रख्यात ओड़िआ लेखिका प्रतिभा राय होयतीह।

प्रतिष्ठित संवत्सर व्याख्यान प्रख्यात उर्दू लेखक आ गीतकार गुलज़ार द्वारा 13 मार्च केँ सांझ 6.30 बजे मेघदूत मुक्ताकाशी मंच पर होयत। त’ ओहि सँ पहिने 11 मार्च केँ साहित्य अकादमीट महत्तर सदस्य सभक अभिनंदन सेहो कयल जायत। बहुभाषी कवि आ कहानी-पाठ, युवा साहिती, अस्मिता, पूर्वोत्तरी सन नियमित कार्यक्रम सभक अतिरिक्त भारतक भक्ति साहित्य, भारत मे बाल साहित्य, भारतक अवधारणा, मातृभाषा सभक महत्त्व, आदिवासी कवि एवं लेखक सम्मिलन, भविष्यक उपन्यास, भारत मे नाट्य लेखन, भारतक सांस्कृतिक विरासत, भारतीय भाषा सभ मे विज्ञान कथा साहित्य, नैतिकता आ साहित्य, भारतीय साहित्य मे आत्मकथा, साहित्य आ सामाजिक आंदोलन, विदेशों मे भारतीय साहित्य सश अनेक विषय सभ पर परिचर्चा आ परिसंवाद कार्यक्रम सेहो आयोजित कयल जायत।

जनतब दी जे एहि बेरूक राष्ट्रीय संगोष्ठीक विषय अछि – स्वातंत्र्योत्तर भारतीय साहित्य। एकर अतिरिक्त अखिल भारतीय दिव्यांग लेखक सम्मेलन, एलजीबीटीक्यू लेखक सम्मिलन, मीर तक़ी मीरक जन्म-त्रिशतवार्षिकी पर संगोष्ठी, गोपीचंद नारंग पर एकटा परिसंवाद सन महत्त्वपूर्ण कार्यक्रम सभक सेहो आयोजन होयब सुनिश्चित छैक। तहिना बच्चा सभक लेल चित्रकला प्रतियोगिता, साहित्यिक प्रश्नोत्तरी सहित कतेको तरहक प्रतियोगिता सभक सेहो आयोजन भ’ रहलैक अछि। जाहि मे दिल्ली एवं एनसीआरक 1000 सँ बेसी बच्चा सभक भाग लेबाक उम्मीद छैक। त’ सांस्कृतिक कार्यक्रम सभक अंतर्गत राजश्री वारियर द्वारा भरतनाट्यम, गुरुदेव रवींद्रनाथ ठाकुर केँ श्रद्धांजलि देबाक लेल एकटा विशेष कार्यक्रम ‘कस्तूरी’, महेशाराम द्वारा संतवाणी गायन एवं दयाप्रकाश सिन्हा द्वारा लिखित नाटक ‘सम्राट अशोक’क मंचन सेहो कयल जायत।

जनतब इहो जे छह दिन धरि चलय वला एहि साहित्योत्सव मे भाग ल’ रहल विभिन्न भारतीय भाषा सभक किछु महत्त्वपूर्ण लेखक एवं विद्वान छथि-एस.एल. भैरप्पा, चंद्रशेखर कंबार, पॉल ज़कारिया, आबिद सुरती, के. सच्चिदानंदन, चित्रा मुद्गल, मृदुला गर्ग, के. इनोक, ममंग दई, एच.एस. शिवप्रकाश, सचिन केतकर, नमिता गोखले, कुल सैकिया, वाई.डी. थोंगची, मालाश्री लाल, कपिल कपूर, अरुंधति सुब्रह्मण्यम, रख़्शंदा जलील, राणा नायर, वर्षा दास, सुधा शेषाय्यन, उदय नारायण सिंह, अरुण खोपकर, शीन काफ़ निज़ाम आदि।

एहि साहित्योत्सव मे तीन राज्यक राज्यपाल आरिफ मोहम्मद खान (केरल), विश्वभूषण हरिचंदन (छत्तीसगढ़), सी.वी.आनंद बोस (पश्चिम बंगाल) विशेष रूप सँ भाग ल’ रहलाह अछि।

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Akshay Anand

Writer & Editor

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited