पूर्णिया | बिहारक पूर्व डिप्टी सीएम आ नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव आइ-काल्हि जन विश्वास यात्रा पर छथि। एही क्रम मे पूर्णिया मे तेजस्वी यादव केँ विरोधक सामना करय पड़ल अछि। नेता प्रतिपक्ष केँ अयलाक बाद अब्दुल्ला नगर बेलोरी मे सैकड़ो लोक तेजस्वी यादवक खिलाफ खूब जमि क’ नाराबाजी आ हंगामा कयलनि। बताओल जा रहल अछि जे एहि क्रम मे लोक सभ द्वारा राजदक झंडा सेहो जराओल गेल।
असल मे सोमदिन अर्थात् 26 फरवरी केँ तेजस्वी यादव जन विश्वास यात्रा पर पूर्णिया, कटिहार आ कोसी पारक मिथिला पहुँचल छलाह। एहि क्रम मे ओ पूर्णिया पूर्वी प्रखंडक अब्दुल्ला नगरक सैकड़ो लोक सभ सँ भेंट करय बला छलाह आ लोक सभ हुनका अपन व्यथा-कथा सुनाबय चाहैत छलथि। मुदा रातुक 11:00 बजे जखन तेजस्वी यादव बेलौरीक लगीच पहुँचलाह त’ ओ बिना लोक सभ सँ भेंट कयने, बिनु फरियाद सुनने बस नमस्ते क’ आगू निकलि गेलाह। जाहि कारणेँ स्थानीय लोक सभ मे बड़ बेसी आक्रोश देखल गेल। फेर की, आक्रोशित लोक फोरलेन पर आबि राजदक झंडा जरा तेजस्वीक विरोध कयलनि आ खूब नाराबाजी कयलनि।
स्थानीय लोक सभ जनौलनि जे तेजस्वी यादव जन विश्वास यात्रा पर निकलल छथि, मुदा जखन जनतेक विश्वास नहि जीत रहलाह अछि त’ ई केहन जन विश्वास यात्रा भेल। लोक सभक कहलनि जे अब्दुल्ला नगर वार्ड संख्या 42 मे 26 एकड़ जमीन पर ओ सभ 30-40 साल सँ बसल छथि। आब ताहि जमीनक हाईकोर्ट दोसराक पक्ष मे फैसला द’ देलक अछि, जाहि कारणेँ प्रशासन द्वारा एहि मोहल्लाक करीब 500 घर केँ तोड़बाक लेल दू बेर अल्टीमेटम देल जा चुकल अछि। से एही मामला केँ ल’ क’ ओ सभ तेजस्वी यादव सँ भेंट करय चाहि रहल छलाह। ओ सभ भोर 11:00 बजे सँ हुनक प्रतीक्षा मे ठाढ़ छलाह, मुदा तेजस्वी यादव लग 2 मिनट ओहि सैकड़ो पीड़ितक फरियाद सुनबाक लेल नहि छल, जाहि कारणेँ लोक बड़ बेसी आक्रोशित छथि। हालांकि बाद मे प्रशासन आ किछु लोक द्वारा बुझयलाक बाद ओ सभ शांत भेलथि।
जनतब दी जे अब्दुल्ला नगरक खाता संख्या 120क 22 एकड़ जमीन पर बसल सैकड़ो परिवार केँ जमीन खाली करबाक आदेश हाईकोर्ट देने अछि आ एहि केँ ल’ क’ दू बेर पुलिस अल्टीमेटम सेहो द’ चुकल अछि।