नई दिल्ली | राजधानी दिल्ली क्षेत्र मे सक्रिय नाट्य संस्था बारहमासा रंगमंडल द्वारा साहित्य अकादमी पुरस्कार सँ सम्मानित मैथिलीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार श्याम दरिहरेक स्मृति मे श्याम दरिहरे रंग महोत्सवक आयोजन कयल जयबाक नियार छैक। जनतब दी जे दू दिवसीय ई नाट्य महोत्सव दिल्लीक गोल मार्केट स्थित मुक्तधारा सभागार मे यैह 21 आ 22 मार्च केँ आयोजित कयल जायत। एहि संबंध मे विस्तृत जानकारी दैत मुकेश झा जनौलनि जे एहि उत्सव मे विभिन्न नाट्य मंडली द्वारा मैथिली आ हिंदीक कुल चारि गोट नाटकक मंचन कयल जायत। जाहि मे श्याम दरिहरेक कथा कम्मलक नाट्य रूपांतरण मंचित होयत। जकर निर्देशक मुकेश झा छथि त’ प्रस्तुति आयोजक बारहमासा रंगमंडल द्वारा कयल जायत। तहिना मधुबनीक नाट्य संस्था अछिंजल द्वारा एहि उत्सव मे सखा नामक मैथिली नाटकक मंचन कयल जायत जकर लेखक आ निर्देशक काश्यप कमल छथि। कार्यक्रमक दोसर दिन मैथिलीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार महेंद्र मलंगिया लिखित गोनूक गबाहक मंचन नाट्य संस्था रंग ठिया, दिल्ली द्वारा कयल जयबाक नियार छैक। जकर निर्देशन मायानंद झा कयलनि अछि। तहिना रंगकोसी, सहरसाक बैनर मे एकटा हिंदी नाटक रशोमोन सेहो मंचन कयल जायत, एकर निर्देशन राजीव रंजन झा कयने छथि। जनतब दी जे ई नाटक मूलतः रूसी लेखक रयोन सुके अकुतागावाक रूसी नाटकक हिंदी अनुवाद अछि।