Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

भ’ गेल फैसला ! बीजेपी 17, जदयू 16 आ चिरागक पार्टी 5टा सीट पर लड़त चुनाव

नई दिल्ली | लोकसभा चुनाव केँ ल’ क’ बिहार एनडीए मे सीटक बंटवारा लगभग फाइनल भ’ गेल अछि। हालांकि एकरा ल’ क’ एखन धरि कोनो आधिकारिक जानकारी साझा नहि कयल गेलैक अछि। मुदा सूत्रक मानी त’ बिहार मे बीजेपी 17, नीतीश कुमारक जदयू 16, चिराग पासवानक लोजपा रामविलास केँ 5, उपेंद्र कुशवाहा आ जीतन राम मांझीक हम केँ एक-एकटा सीट देबा पर सहमति बनल अछि। सभ सँ चौंकाबय बला बात ई जे सूत्रक हवाला सँ आयल खबरिक अनुसार, चिराग पासवानक चाचा आ केंद्रीय मंत्री पशुपति पारस केँ एकहु गोट सीट नहि भेटल अछि। सूत्रक मानी त’ बीजेपी दिस सँ पारस केँ राज्यपाल बनाओल जयबाक प्रस्ताव देल गेल अछि।

एहि सभक बीच  दिल्ली मे पत्रकार सभक संग बातचीतक क्रम मे चिराग पासवान कहलनि जे हुनक पार्टी लोकसभा चुनावक लेल भाजपाक संग सीट बंटवाराक फार्मूला केँ अंतिम रूप द’ देलक अछि। पासवान भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जे पी नड्डा सँ भेंट कयलाक बाद ई घोषणा कयलनि। ओ कहलनि जे भाजपा हमर सभ चिंताक समाधान कयलक अछि। हम संतुष्ट छी। ओ कहलनि जे एनडीएक घटक दल सभक बीच सीटक तालमेल पर फैसला भ’ गेल अछि जल्दिये एकर औपचारिक घोषणा कयल जायत। 

अपन चाचा पशुपति पारसक नेतृत्व बला लोजपा गुटक भविष्यक बारे मे पूछल गेला पर चिराग पासवान कहलनि जे ई हमर चिंताक विषय नहि अछि। एहि सँ पहिने चिराग पासवान ‘एक्स’ पर एकटा पोस्ट मे लिखने छलाह जे एनडीएक सदस्यक रूप मे आइ भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जे पी नड्डा जीक संग बैसार मे हम आगामी लोकसभा चुनावक लेल बिहार मे सीट बंटवारा केँ अंतिम रूप द’ देलहुँ अछि।

ओतहि दोसर दिस बिहार मे विपक्षी गठबंधन ‘इंडिया’क घटक दल सभक बीच सीट बंटवारा केँ ल’ क’ बातचीत जारी अछि। बीतल दिन राष्ट्रीय जनता दल आ कांग्रेसक बीच सीट बंटवारा केँ ल’ क’ बैसार भेल। बैसार मे दुनू पार्टी दिस सँ सीट बंटवारा सहित कतेको अहम चुनावी मुद्दा सभ पर विस्तार सँ चर्चा भेल। आरजेडी सूत्र जनौलक जे बैठक मे आरजेडी कांग्रेस केँ ओकर दावा बला सीट सभ पर प्रत्याशी आ दावाक आधारक जानकारी मांगलक अछि। संगहि,प्रत्याशीक सामाजिक आ राजनीतिक पृष्ठभूमि, ओहि क्षेत्रक सामाजिक स्थिति तथा चुनाव जीतबाक क्षमता केँ ल’ क’ बैसार मे चर्चा कयल गेल। ओतहि कांग्रेस सूत्रक कहब छैक जे बैसार मे सीट बंटवारा पर कोनो सहमति नहि बनि सकल अछि। तेँ जल्दिये दोबारा बैसार होयत। बैसार मे कांग्रेस करीब 15 सीट पर अपन दावेदारी जतौलक अछि।

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Akshay Anand

Writer & Editor

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited