Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

Bihar Board Result : पाइ द’ क’ बढ़ा सकैत छी मैट्रिक आ इंटर परीक्षा मे नंबर ? पढू ई रिपोर्ट

पटना | बिहार बोर्डक छात्र छात्रा सभक लेल ई अत्यंत महत्वपूर्ण खबरि अछि। खबरि बिहार बोर्ड 2024 परीक्षा मे नंबर बढ़बयबाक संबंध मे अछि। से बिहार विद्यालय परीक्षा समिति मने बीएसईबी एहि केँ ल’ क’ एकटा नोटिस जारी कयलक अछि। जाहि मे बिहार बोर्ड क्लास 12 आ क्लास 10 अर्थात् इंटर आ मैट्रिक परीक्षा मे पाइ द’ क’ नंबर बढाओल जयबाक प्रक्रिया केँ ल’ क’ बड़का नोटिस जारी कयलक अछि। से अहाँ ई वीडियो पूरा अंत धरि देखि लिअ अपने बुझि जेबैक जे आखिर पाइ द’ क’ नंबर बढ़यबाक प्रक्रिया पर बिहार बोर्ड की कहलक अछि। मने मैट्रिक आ इंटरक रिजल्ट आबय सँ पहिने अहाँ लेल बिहार बोर्डक नोटिस बुझब अत्यंत आवश्यक अछि। 

असल मे बिहार स्कूल एग्जामिनेशन बोर्ड अपन ऑफिसियल एक्स हैंडल अर्थात् ट्विटर हैंडल पर एकटा पोस्ट कयलक अछि। जे पोस्ट अपने लोकनि सेहो देखि रहल होयब। एहि पोस्ट मे लिखल छैक जे एहन सूचना प्राप्त भ’ रहल अछि जे किछु असमाजिक तत्व सभ द्वारा समिति अर्थात् बिहार बोर्डक प्रतिनिधि बनि क’ आम लोक केँ फोन कयल जा रहल अछि। फोन क’ क’ लोक सँ पाइ मांगल जा रहल अछि। छात्र आ अभिभावक लोकनि केँ लोभ देखाओल जा रहलैए जे ओ पाइ द’ क’ बिहार बोर्ड इंटरमीडिएट आ मैट्रिकक वार्षिक परीक्षा 2024 मे नंबर बढ़बा सकै छथि। से ई पूर्णतः गलत आ गैरकानूनी अछि। एहन असमाजिक तत्व सभक खिलाफ कठोर कार्रवाई करब आवश्यक छैक। बोर्ड आगू लिखने अछि जे बिहार बोर्डक इंटर आ मैट्रिकक उतर पुस्तिका पूर्णतः बारकोडेड अछि ओ ओकर गोपनीयता अक्षुण्ण छैक। से एहि तरहें छात्र छात्रा लोकनि उतर पुस्तिका सँ कोनो स्तर सँ नंबर बदलब संभव नहि छैक आ ने बिहार बोर्डक कोनो कर्मी एहि काज मे संलिप्त छथि।

बिहार बोर्ड आगू अपील सेहो कयलक अछि जे जँ किनको लग एहन फोन अबैत अछि त’ ओ तुरत स्थानीय पुलिस केँ एकर सूचना दैथि। जाहि नंबर सँ फोन आयल छल से पुलिसक संग साझा करी आ एहन लोकक खिलाफ केस लिखाबी वा फेर साइबर क्राइम सेल मे शिकायत लिखाबी। कोनो भी परिस्थिति मे एहन असमाजिक तत्वक झांसा मे नहि आबी।

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Akshay Anand

Writer & Editor

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited