Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

बिहार मे स्कूलक टाइमिंग बदलि देलाह नीतीश, कहलनि नहि चलत के के पाठकक ई फरमान

पटना | बिहार शिक्षा विभागक अपर मुख्य सचिव के के पाठकक फैसला केँ ल’ क’ बिहार विधानसभा मे मंगलदिन अर्थात् 20 फरवरी केँ हंगामा भ’ गेल। बजट सत्रक कार्यवाहीक दौरान सदन मे विपक्षी सदस्य लोकनि शिक्षक सभक मुद्दा केँ ल’ क’ प्रदर्शन कयलनि। विपक्षी विधायक वेल मे आबि गेलाह आ नीतीश सरकारक खिलाफ नाराबाजी करय लगलाह। ओ सभ नियोजित शिक्षक सभक छुट्टी, सक्षमता परीक्षाक पैटर्नक संग-संग स्कूलक समय मे बदलावक मुद्दा पर नीतीश सरकार केँ घेरलनि। आरजेडी विधायक लोकनि कहलनि जे स्कूलक समय भोर 9 सँ साँझ 5 बजे कयल गेल अछि, जकरा बदलल जाय। तकरा बाद सीएम नीतीश कुमार अपन सीट पर ठाढ़ भेलाह आ ओ कहलनि जे जँ एहन छैक त’ ओ के के पाठक केँ आइए बजा क’ स्कूलक समय बदला देताह। ओ सदन मे स्कूलक समय पहिने जकाँ भोर 10 सँ साँझ 4 बजे धरि करबाक घोषणा कयलनि।

असल मे, के के पाठक पछिला मास स्कूल टाइमिंग मे बदलाव कयने छलाह। शिक्षक लोकनि केँ भोर 9 सँ साँझ पांच बजे धरि स्कूले मे रहि क’ बच्चा सभक पढ़ाइ सहित अन्य काज करबाक लेल कहल गेल छल। से राज्य भरि मे शिक्षक लोकनि एकर विरोध जतौने छलाह। जकरा बाद 20 फरवरी केँ विधानसभा मे सेहो ई मुद्दा गूंजल। आरजेडी विधायक सभक हंगामाक बीच सीएम नीतीश कुमार अपन सीट सँ ठाढ़ भेलाह आ ओ कहलनि जे स्कूलक समय भोर 10 सँ साँझ 4 बजे धरि होयबाक चाही।

मुख्यमंत्री जनौलनि जे ओ केके पाठक केँ एहि बारे मे निर्देश द’ देलनि अछि। जँ तैयो ई बात नहि मानल गेल अछि. त’ हुनका आइ फेर बजा क’ कहि देब। नीतीश आरजेडी पर हमला करैत कहलनि जे पहिने हुनके पार्टी लग ई विभाग छल। जखन अहाँ सभ देखि रहल छलहुँ, तखने कहबाक चाही छल जे बात नहि मानल गेल अछि। ओही समय मे हम बजा क’ बात करितहुँ।

नीतीश कुमार के के पाठकक स्कूल टाइमिंग पर सवाल सेहो उठौलनि। ओ सदन मे कहलनि जे जखन ओ पढ़ाइ करैत छलाह, तखनो भोर 9 सँ 5 बजे धरि पढ़यबाक कोनो तरीका नहि छल। ई ठीक नहि अछि। ई गलत कयल गेल अछि त’ एहि मे तुरत सुधार करवा दैत छी। सीएम आरजेडी विधायक लोकनिक आभार जतौलनि जे ओ सभ ई मुद्दा विधानसभा मे उठौलनि। 

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited