Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

बेनीपट्टी मे 11 जुलाई केँ होयत सामूहिक विवाह समारोहक आयोजन, कार्यक्रम सम्बन्धी खाका तैयार

मधुबनी | जिलाक बेनीपट्टी मे आगामी 11 जुलाई केँ सामूहिक विवाह समारोहक आयोजन कयल जायत। एहि लेल कार्यक्रम सम्बन्धी खाका तैयार कयल जा चुकल अछि। जनतब दी जे बेनीपट्टीक धरती पर पहिल बेर एहि तरहक महत्वपूर्ण पहल आ ऐतिहासिक काज करबाक नियार कयल गेल अछि। जकर बीड़ा मिथिला जागरूकता अभियान फाउंडेशन उठौलक अछि। मने एही फाउंडेशनक तत्वावधान मे सामूहिक विवाह समारोह सन पुनीत काज केँ कयल जेतैक। ओतहि जनतब इहो भेटल अछि जे एहि आयोजन मे मिथिला जागरूकता अभियान फाउंडेशनक सहयोगी संस्थाक रूप मे केएसबी क्राफ्ट आ श्री लक्ष्मी प्रोडक्शन सेहो शामिल अछि। आयोजन केर संबंध मे विस्तृत जानकारी दैत मिथिला जागरूकता अभियान फाउंडेशनक संचालिका बिट्टू मिश्रा, केएसबी क्रॉफ्टक संचालक आशुतोष साहू आ श्री लक्ष्मी प्रोडक्शनक संचालक केशव कुमार झा उर्फ राजन द्वारा बीतल दिन संयुक्त रूप सँ एकटा प्रेस कांफ्रेंसक आयोजन कयल गेल। जाहि मे अपन बात रखैत फाउंडेशनक अध्यक्षा बिट्टू मिश्रा जनौलनि जे अपना समाज मे कतेको परिवार एहन अछि, जिनक दैनिक आय नहि केर बरोबरि अछि आ ओ सभ आर्थिक रूप सँ कमजोर एवं असहाय छथि। से एहन परिवार अपन कन्या सभक कन्यादान करय मे असमर्थ होइत छथि। हुनका लोकनि केँ आर्थिक सहयोगक लेल लोक सभ सँ सहयोग मांगय पड़ैत अछि। से एहन परिवार सभ केँ संस्था दिस सँ निःशुल्क कन्यदानक अवसर प्रदान कयल जायत।

ओतहि श्री लक्ष्मी प्रोडक्शनक संचालक केशव कुमार झा कहलनि जे आयोजनक मुख्य उदेश्य समाजक निःसहाय एवं आर्थिक रूप सँ कमजोर परिवारक कन्या सभ केँ वैवाहिक सहयोग प्रदान करब अछि।

त’ केएसबी क्रॉफ्टक संचालक आशुतोष साहू कहलनि जे हमर सभक कोशिश अछि सामाजिक सरोकार सँ जुड़ल लोक सभक सेहो एहि मे सहयोग लेल जाय वा फेर ओ लोकनि स्वेच्छा सँ अपन सहयोग हमरा लोकनि केँ प्रदान करथि। हमरा लोकनि केँ एकर सफलता मे पूरा मधुबनी जिलाक लोक सँ सहयोगक अपेक्षा अछि।

जनतब दैत चली जे एहि आयोजन मे मात्रे बेनीपट्टी अनुमंडल क्षेत्र नहि, अपितु संपूर्ण मधुबनी जिलाक वर-वधु केँ शामिल कयल जायत। जनतब इहो जे एहि सामूहिक विवाह मे शामिल भेनिहारि  वधु केँ बियाहक जोड़ा आ  वर केँ वस्त्र त’ देले जायत, संगहि  नवकनियाँक विदाइ मे गहना-गुड़िया, अलमारी, ट्रंक, श्रृंगार बॉक्स, पलंग, बिछाओन आदि आवश्यक सामान संस्थाक द्वारा प्रदान कयल जायत। सामूहिक शादी मे भाग लेनिहार बर-कनियांक उम्रक सत्यापन सेहो संस्थाक द्वारा कयल जायत।

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited