आवाज डेस्क | भूमिजा मैथिली मंचक बैसार 25 फरवरी केँ सी.डी.इंटरनेशनल स्कूल, मारुति कुंज, गुरुग्राम मे भेल छल। एहि बैसार मे गुरुग्रामक विभिन्न उपनिवेशक मैथिल समुदायक लोक भाग लेलनि। महावीर मिश्रक अध्यक्षता मे बैसार क’ वर्तमान कार्यकारिणी केँ भंग क’ सर्वसम्मति सँ नव कार्यकारिणीक गठन कयल गेल। नव कार्यकारिणी समिति मे महावीर मिश्र पुनः अध्यक्ष पद आ मुकेश झा महासचिव पद लेल निर्विरोध चुनल गेलाह। नव कार्यकारिणीक संग-संग सभ कियो एक बेर फेर सँ पवन ठाकुर केँ अगिला 3 साल धरिक लेल संस्थाक मीडिया प्रभारी नियुक्त कयलनि आ हुनक उत्कृष्ट कार्यक सराहना सेहो कयल गेलनि। संगहि सभ सदस्य सर्वसम्मति सँ श्यामकुंज निवासी संजीव झा आ पालम विहार निवासी प्रकाश झा केँ उपाध्यक्ष पद लेल चुनलनि। मुन्ना झा सचिव पद लेल निर्विरोध चुनल गेलाह। शांतिकुंज निवासी अमित झा केँ संगठन सचिवक जिम्मेदारी आ सह-मीडिया प्रभारीक जिम्मेदारी कृष्णाकुंज वासी अमित झा केँ भेटलनि। अगिला किछु आओर पद पर निर्णय लेल जाएत।
नव कार्यकारिणीक सङ्ग नव टीमक बैसार मे सर्वसम्मति सँ कतेको नव निर्णय लेल गेल। निर्णय भेल जे आगामी विद्यापति महोत्सव “मैथिली महाकुंभ” मइ मास मे आयोजित होयत। इहो निर्णय लेल गेल जे समारोह दिन मंच पर संस्थाक 11 सदस्यक सङ्ग हुनक परिवा रकेँ विशेष सम्मान देल जायत। संस्था द्वारा ऑनलाइन सदस्यता अभियान शुरू कयल गेल अछि, जाहि लेल सभ कियो मिलि क’ युद्ध स्तर पर काज करब आ गुरुग्राम मे रहनिहार प्रत्येक मैथिल समुदायक लोक केँ संस्था सँ जोड़त। जाहि सँ कखनो काल कोनो समस्या मे कोनो मैथिल समाज केँ हरसंभव मदद भेटि सकय।
संस्थाक मूल उद्देश्य पर चर्चा करैत अध्यक्ष महावीर मिश्र कहलनि जे 2019 सँ पहिने गुरुग्राम मे मैथिलीक कोनो पहिचान नहि छल, जे आइ एहन स्तर पर पहुँचि गेल अछि जे मैथिलक बिना कोनो संस्था अपन भविष्य के बारे मे नहि सोचि सकैत अछि।
गुरुग्राम मे मिथिला, मैथिलीक सम्मान प्राप्त करबा मे भूमिजा मैथिली मंचक महत्वपूर्ण भूमिका छल आ आगू सेहो करैत रहताह। ई संस्था समय-समय पर शुद्ध मैथिली कार्यक्रमक माध्यम सँ गुरुग्राम शहर केँ अपन संस्कृतिक प्रति जागरूक करैत रहत।