मुम्बई | मशहूर गजल गायक पंकज उधासक 73 सालक उम्र मे मुंबई मे निधन भ’ गेल। ओ बहुत दिन सँ बीमार छलाह। उधास परिवार ट्वीट क’ हुनक निधनक जानकारी देलक अछि।
ट्वीट मे लिखल छैक- ‘बहुत भारी मन सँ, हम अहाँ केँ बहुत समय सँ बीमारीक चलते 26 फरवरी 2024 केँ पद्मश्री पंकज उधासक दुखद निधनक जानकारी दैत दुखी छी। बताओल जा रहल अछि जे पंकज कैंसर सँ जूझि रहल छलाह ।
भेटल जानकारी अनुसार पंकज उधासक मौत आइ भोर 11 बजे मुंबई मे भेल। पछिला किछु समय सँ ओ मुंबई केर ब्रीच क्रैंडी अस्पताल मे भर्ती छलाह। से एहि अस्पताल मे ओ अन्तिम सांस लेलनि। जानकारी मुताबिक पंकज उधास केँ किछु मास पहिने कैंसर डिटेक्ट भेल छल आ ओ पछिला किछु मास सँ ककरो सँ भेंटघांट नहि क’ रहल छलाह। हुनक अंतिम संस्कार काल्हि मुंबई मे कयल जायत।
जेना कि हमरा लोकनि जनैत छी जे पंकज उधास गजल गायिकीक दुनिया मे एकटा पैघ नाम छलाह। हुनका ‘चिट्ठी आई है’ गजल सँ पहचान भेटल, ई गजल 1986 मे रिलीज भेल फिल्म ‘नाम’ मे शामिल छल। पंकज मारिते रास गजल केँ अपन आवाज देलनि, जाहि मे ‘ये दिल्लगी’, ‘फिर तेरी कहानी याद आई’, ‘चले तो कट ही जाएगा’ आ ‘तेरे बिन’ शामिल अछि।