बेंगलुरु | भारतक सिलिकॉन वैलीक नाम सँ विख्यात बेंगलुरु मे जल्दिये देशक सभ सँ ऊंच स्काईडेक बनाओल जायत। कर्नाटकक उप मुख्यमंत्री डीके शिवकुमार अधिकारी लोकनि केँ एहि परियोजना मे तेजी अनबाक निर्देश देलनि अछि। जानकारीक मुताबिक, स्काईडेक प्रस्ताव केँ ऑस्ट्रियाक डिजाइन एंड आर्किटेक्टर फर्म कोप हिमेल्ब (एल) एयू तैयार कयलक अछि। स्काईडेकक ऊंचाइ 250 मीटर होयत, जतय सँ बेंगलुरु शहरक मनोरम दृश्य देखाइ देत। ई देशक सभ सँ ऊंच व्यूइंग टावर होयत। एहि भव्य स्काईडेक केँ ब’र गाछक आकार मे डिजाइन कयल जायत।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/02/Screenshot-2024-02-26-141554.png)
जनतब दी जे एकर सभ सँ ऊपरी भाग कोनो फुलायल फूल सँ प्रेरित एकटा प्रकाशस्तंभ सन होयत। एकरा संगहि, एकर टॉप पर विंग कैचर हवाक दिशाक सामना करबाक लेल घूमैत रहत। स्काई डेकक रोलर-कोस्टर डेक पर एकटा सोलर पैनल सेहो लगाओल जायत, जाहि सँ बिजली उत्पन्न कयल जायत। ई ऊर्जा-कुशल मानक सभक आधार पर बनाओल जायत। एहि मे म्यूजियम, रेस्टोरेंट आ व्यावसायिक प्रतिष्ठान सेहो होयत।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/02/Screenshot-2024-02-26-141602.png)
जनतब इहो जे स्काईडेकक निर्माणक लेल जगह तय नहि कयल गेल अछि। एहि ऐतिहासिक संरचनाक लेल बेंगलुरुक 2गोट स्थान केँ शॉर्टलिस्ट कयल गेल अछि। जाहि मे सँ एकटा बैयप्पनाहल्ली मे एनजीईएफक जमीन आ दोसर कर्नाटक सोप एंड डिटर्जेंट्स लिमिटेडक परिसर अछि। दुनू स्थान मेट्रो स्टेशन सँ जुड़ल अछि, जे आवागमन केँ सुगम बनाओत। एखन प्रोजेक्ट शुरुआती चरण मे अछि। विस्तृत परियोजना रिपोर्ट(डीपीआर) तैयार करबाक लेल सलाहकार लोकनिक नियुक्त कयल गेल अछि। एकरा बादे निर्माण कार्य शुरू भ’ सकत।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/02/Screenshot-2024-02-26-141610.png)
एहि स्काईडेक केँ बनला सँ बेंगलुरु केँ पर्यटनक क्षेत्र मे बढ़ावा भेटत। शहर मे एकटा नव आकर्षण केंद्र बनत। बेंगलुरुक ग्लोबल पहचान बढ़त। उमेद कयल जा रहलैक अछि जे ई प्रोजेक्ट जल्दी सँ जल्दी पूरा हो आ बेंगलुरु केँ नव ऊंचाइ पर ल’ जाय।