बेगूसराय | बिहार मे पछिला किछु बरख मे गरीब परिवारक आय वृद्धि आ मुख्य रूप सँ महिला लोकनि केँ आर्थिक रूप सँ मजबूत बनाबय मे जीविकाक महत्वपूर्ण भूमिका रहल अछि। से यैह कारण छैक जे बिहार मे जीविका एकटा पैघ ब्रांड बनि क’ सोझा आयल अछि। आब एही जीविका सँ जुड़ल एकटा महिला केँ राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू ‘चाय पर चर्चा’ करबाक लेल 1 मार्च केँ दिल्ली बजौलनि अछि। से आमंत्रण भेटलाक बादे सँ बुलबुल देवी नामक ओ महिला खूब उत्साहित देखल जा रहल छथि। जनतब दी जे बुलबुल स्वयं सेहो जीविका सँ जुड़ल छथि आ एहि सँ जुड़ल आन-आन महिला सभ केँ पशुपालनक संग खेतीक गुर सीखा आत्मनिर्भर बना रहलीह अछि।
मिथिला प्रक्षेत्रक बेगूसराय जिलाक मटिहानी प्रखंड अंतर्गत दियारा इलाकाक बागडोव गामक बुलबुल देवी एकटा साधारण परिवारक महिला छथि आ बरख 2016 मे जीविका सँ जुड़ल छलीह। तकरा बाद पछिला सात बरख सँ ओ अलग-अलग काज करैत अपन आर्थिक स्थिति केँ सुदृढ़ क’ रहलीह अछि। एकर अतिरिक्त ओ एखन धरि जीविका सँ जुड़ल लगभग 8 हजार महिला सभ केँ पशुपालनक गुर सीखा चुकल छथि। जखन कि, ओहि महिला सभ केँ प्रगतिशील खेती करबाक लेल सेहो आगू बढ़ा चुकल छथि।
जनतब इहो जे अपन इलाका मे बुलबुल सभक दीदी छथि। प्रशिक्षित महिला सभ सेहो हिनक संग पुरलनि आ हिनका अपन प्रखंडक परिवर्तन समूहक अध्यक्ष बनौलनि। स्थिति ई छैक जे आजुक समय मे ओ बेगूसराय जीविकाक रोल मॉडल दीदीक रूप मे जानल जाइत छथि।
से बुलबुल दीदी दिल्ली जाय सँ पहिने मीडिया सँ गपशप मे कहलीह जे हुनक इलाकाक सभ सँ पैघ समस्या ई छैक जे लोक लग घर नहि छैक। घर बनाबय लेल अपन जमीन नहि छैक। एहना मे हमर पहिल मुद्दा यैह रहत। ओ जनौलीह जे एही समस्या केँ दूर करबाक लेल ओ राष्ट्रपति सँ बात करतीह। संगहि बुलबुल इहो कहलीह जे जाहि जीविकाक कारणें हुनका पहिचान भेटल अछि, ओकर कर्मी सभ केँ नियमित स्टाफ बनयबाक लेल सेहो ओ बात करतीह।