नई दिल्ली | मिस वर्ल्ड प्रतियोगिताक मेजबानीक लेल भारत तैयार अछि। नौ मार्च धरि चलय बला एहि प्रतियोगिताक ई 71म संस्करण अछि। एहि सत्रक संगहि अंतर्राष्ट्रीय स्तरक ई सौंदर्य प्रतियोगिता लगभग तीन दशकक बाद भारत मे आयोजित भ’ रहल अछि। भारत अंतिम बेर एहि प्रतियोगिताक मेजबानी 1996 मे बेंगलुरु मे कयने छल। प्रतियोगिताक शुरुआत 20 फरवरी केँ नई दिल्ली मे भारत पर्यटन विकास निगमक ‘द ओपनिंग सेरेमनी’ आ ‘इंडिया वेलकम्स द वर्ल्ड गाला’क संग भेल। प्रतियोगिता मुंबई केर जियो वर्ल्ड कन्वेंशन सेंटर मे नौ मार्च केँ ‘ग्रैंड फिनाले’क संग संपन्न होयत। दुनिया भरिक 120 गोट प्रतिभागी एहि सँ जुड़ल कार्यक्रम सभ मे भाग ल’ रहलीह अछि।
सिनी शेट्टी करतीह भारतक प्रतिनिधित्व
फेमिना मिस इंडिया-2022क विनर सिनी शेट्टी मिस वर्ल्ड प्रतियोगिता मे भारतक प्रतिनिधित्व करतीह। से ओ कहलनि अछि जे ओ एहि प्रतियोगिता केँ ल’ क’ बड़ बेसी उत्साहित छथि। जनतब दी जे मिस वर्ल्डक सदति उद्देश्य रहल अछि ‘ब्यूटी विद आ पर्पज’। मने एतय मात्र सुंदरते नहि अपितु उद्देश्य सेहो मायने रखैत अछि।
भारतक ई छह गोट सुंदरी बनि चुकल छथि ‘मिस वर्ल्ड’
-
-
- रीता फारिया 1966
- ऐश्वर्या राय 1994
- डायना हेडन 1997
- युक्ता मुखी 1999
- प्रियंका चोपड़ा 2000
- मानुषी छिल्लर 2010
-