स्पेशल रिपोर्ट | मिथिला आ कि मैथिली भाषी सभक लेल खुशखबरी अछि। मिथिलाक लोक आब अपन भाषा, मने मैथिली मे बैंक सँ संबंधित सभटा जानकारी ल’ सकैत छथि। से ई अद्भूत पहल कयलक अछि बैंक ऑफ बड़ौदा। मने एकरा एना कहल जा सकैत अछि जे बैंक ऑफ़ बड़ौदा मिथिलाक लोकक लेल अपन आइवीआर केर भाषा मे मैथिली केँ स्थान देलक अछि। एकर एकमात्र मतलब ई भेल जे हमरा लोकनि मैथिली भाषा मे सेहो बैंक सँ संबंधित सभटा जानकारी ल’ सकैत छी। संगहि अहाँ बैंक ऑफ बड़ौदाक कस्टमर केयर अधिकारी सँ सेहो मैथिली मे बात क’ सकैत छी।
एना करी बात
जेना कि हमरा लोकनि जनैत छी जे बैंक ऑफ बड़ौदाक टॉल फ्री नंबर-1800 5700 छैक, पर कॉल करबाक छैक आ तकरा बाद भाषा चयन मे मैथिली चुनि सभटा जानकारी वा कस्टमर केयर अधिकारी सँ बात मैथिली मे कयल जा सकैत अछि। जनतब दी जे मिथिला चैप्टर एहि प्रक्रियाक माध्यमे बैंक ऑफ बड़ौदाक कस्टमर केयर केर अधिकारी सँ मैथिली मे बात करबाक प्रयास सेहो कयने छल। जे कि अपने लोकनि एहिठाम क्लिक क’ क’ सुनि सकैत छी।