बिजनेस डेस्क | वालमार्टक स्वामित्व वला कंपनी फोनपे बीतल दिन अर्थात् 21 फरवरी केँ अपन एकटा एप स्टोर लॉन्च कयलक। एहि एप स्टोरक नाम इंडस एप स्टोर अछि, जकर चर्चा पछिला किछु मास सँ लगातार भ’ रहल छल। ई भारत मे बनाओल गेल एकटा एंड्रॉयड एप स्टोर अछि, जे सोझे गूगल प्ले स्टोर केँ टक्कर द’ सकैत अछि।
जनतब दी जे बीतल साल सितंबर 2023 मे कंपनी अपन एहि प्लेटफॉर्म पर विभिन्न कंपनी सभ केँ अपन-अपन एप सब पब्लिश करबाक लेल कहने छल। भारतक अधिकाधिक एंड्रॉयड यूज़र्स अपन फोन मे कोनो एप केँ डाउनलोड करबाक लेल गूगल प्ले स्टोरक उपयोग करै छथि, मुदा आब हुनका लग एकटा अतिरिक्त विकल्प अछि। मने लोक आब इंडस एप स्टोरक माध्यम सँ सेहो एंड्रॉयड एप सभ केँ डाउनलोड क’ सकै छथि।
बता दी जे कंपनी इंडस एप स्टोर केँ लॉन्च क’ क’ भारतक एप मार्केट मे एकटा बड़का दांव खेललक अछि, कारण intelligence firm data.ai. केर डेटाट मुताबिक भारत मे रहनिहार लोक 2023 मे 1.19 ट्रिलियन घंटा मोबाइल एप पर खर्च कयलनि अछि, जखन कि 2021 मे 954 बिलियन घंटा मोबाइलक विभिन्न एप सभ केँ यूज करय मे खर्च कयल गेल छल। एहि सँ ई पता चलैत अछि जे भारतीय स्मार्टफोन यूज़र्स एप मे कतेक बेसी समय व्यतीत करैत छथि आ एकर मात्रा कतेक तेजी सँ बढ़ैत जा रहल अछि। एहना मे वालमार्ट द्वारा ई एप स्टोर केँ लॉन्च करब कंपनी लेल बड़ बेसी फायदा बला बिजनेस साबित भ’ सकैत अछि।
एहि एपक संबंध मे कंपनी लॉन्चक समय दावा कयलक अछि जे एहि मे 45 गोट अलग-अलग कैटीगरी मे करीब 2 लाखो सँ बेसी मोबाइल एप आ गेम सभ जोड़ल जा चुकल अछि। एहि एप मे यूज़र्स केँ हिंदी आ इंग्लिश सहित कुल 12 गोट भाषाक सपोर्ट सेहो भेटत, जाहि मे कतेको क्षेत्रीय भाषा सभ शामिल अछि।
अहाँ सभ केँ मोन होयत जे सितंबर मे इंडस एपक बारे मे पहिल बेर जानकारी दैत कंपनी बतौने छल जे एहि स्टोर मे पहिल साल कोनो डेवलपर्सक लेल अपन ऐप केँ रजिस्टर करायब बिल्कुल फ्री होयत। फोनपे केर को-फाउंडर समीर निगम ओहि समय मे कहने रहथि जे डेवलपर्स हुनक प्लेटफॉर्म पर कोनो पेमेंट गेटवेक इस्तेमाल क’ सकै छथि। कंपनीक दावा अछि जे इंडस एप स्टोर पर ईमेल आ चैटबॉटक माध्यम सँ 24×7 कस्टमर केयर सपोर्टक सुविधा उपलब्ध रहत।