पटना | बिहारक राजधानी पटना सँ बड़का खबरि सोझा आयल अछि, जतय ईडीक टीम एकटा अपार्टमेंट मे रेड मारलक अछि। भेटल जानकारी अनुसार ईडीक टीम वृहस्पति दिन बिहार प्रीमियर लीगक पूर्व संयोजक ओमप्रकाश तिवारीक ठेकाना सभ पर छापा मारय पहुँचल। जानकारीक अनुसार बिहार प्रीमियर लीगक सचिव ओमप्रकाश तिवारीक घर आ ऑफिस दुनू जगह पर ईडीक छापामारी चलि रहल अछि।
बताओल जा रहल छैक जे ईडीक टीम पटना मे ओम प्रकाश तिवारीक कदमकुआं थाना क्षेत्रक लोहानीपुर विंध्यवासिनी स्ट्रीट अपार्टमेंटक ग्राउंड फ्लोर स्थित कार्यालय मे कागज सभ केँ छँटियाबय मे जुटल अछि। से ईडी केँ ल’ क’ अपार्टमेंटक नीचा अतिरिक्त सुरक्षा बल केँ सेहो बजाओल गेल अछि। ईडीक टीम ओम प्रकाश तिवारीक ठेकाना सभ पर महत्वपूर्ण कागज सभक तलाशी ल’ रहल अछि।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/02/Screenshot-2024-02-22-161321.png)
सूत्रक हवाला सँ भेटल खबरिक मुताबिक ओमप्रकाश तिवारी पर नगर निगम मे अस्तित्व नामक कंपनी बना क’ फर्जी तरीका सँ लाखो टका उगाहीक आरोप अछि। बता दी, ओमप्रकाश तिवारी पटना मे बिहार प्रीमियर लीगक आयोजन करय मे महत्वपूर्ण भूमिका निमाहने छलाह। ओमप्रकाश तिवारी पर आरोप अछि जे ओ गलत तरीका सँ पाइ केर उगाही कयलनि अछि। समाचार लिखबा घड़ी धरि ईडीक टीमक छापामारी जारी अछि।