आवाज डेस्क | रेडियोक दुनियाक जानल-मानल नाम अमीन सयानीक निधन भ’ गेल। 91 सालक उम्र मे ओ अपनी अंतिम सांस लेलनि। मृत्युक कारण हार्ट अटैक बताओल जा रहल अछि। से अमीन सयानीक निधन सँ हुनक परिवार सहित हुनक आवाजक लाखो फैन शोक मे डूबि गेलाह अछि।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/02/Screenshot-2024-02-21-121208-1024x575.png)
जनतब दी जे 21 दिसंबर, 1932 केँ मुंबई मे अमीन सयानीक जन्म भेल छल। ओ अपन करियरक शुरुआत इंग्लिश ब्रॉडकास्टरक रूप मे कयने रहथि। मुदा आजादीक बाद हिंदी दिस रुख क’ लेलथि। ओ 54,000 रेडियो कार्यक्रम कयने छलाह आ 19,000 जिंगल्स सेहो गओने रहथि।
अमीन सयानी 1952 मे प्रसारित शो ‘गीतमाला’ सँ पॉप्युलैरिटी हासिल कयलनि। ओहि जमानाक नंबर वन रहल ई शो बहुत दिन धरि प्रसारित भेल वा एना कही जे 1952 सँ शुरू भेल ई यात्रा 1994 धरि चलल छल। तकरा बाद एकरा 2000 सँ 2001 आ फेर 2001-2003 धरि किछु बदलावक संग दोबारा टेलीकास्ट कयल गेल।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2024/02/Screenshot-2024-02-21-121312.png)
अमीन सयानीक अन्तिम इच्छा
‘गीतमाला’ सँ अमीन सयानी पहिल होस्ट बनि गेल छलाह, जे म्यूजिकक बारे मे अपन समझ केँ शो केर माध्यम सँ व्यक्त कयने छलाह। ओ अपन जादू सँ सराबोर आवाज सँ दर्शक आ श्रोताक ह्रदय पर कतेको साल धरि राज कयलनि। हिनक प्रसिद्धि आ व्यक्तित्वक प्रभाव एहन छल जे हिनका आगू बड़का-बड़का एक्टर्स सेहो सलाम ठोकैत छलाह। एक बेर हिनक मृत्युक झूठ अफवाह उड़ल छल, जकरा बाद ओ कहने रहथि शुक्र छै जे हम जिंदा छी। ओ ‘एबीपी’ केँ देल एकटा इंटरव्यू मे इच्छा सेहो व्यक्त कयने छलाह जे एहि दुनिया सँ जाय सँ पहिने ओ अपन एकटा आत्मकथा लिखय चाहैत छथि। जीवनक तमाम बात ओहि मे कहय चाहैत छथि, जाहि सँ आबय बला पीढ़ी ओहि बारे मे जानि सकय।