मधुबनी | जिलाक भेजा सँ सुपौल जिलाक बकौरक बीच कोसी नदी पर बनि रहल देशक सभ सँ नमहर 10.2 किलोमीटरक सड़क पुलक संग 3.01 किलोमीटर पहुंच पथक काज दिसंबर 2024 धरि क’ लेल जायत। भारतक एहि सभ सँ नमहर पुलक निर्माण भारतमाला परियोजनाक तहत पैकेज चारि कोसी पुल एवं पहुंच पथक निर्माण युद्धस्तर पर जारी अछि। से एहि पुल केँ निर्माणक बाद सुपौल सँ मधुबनीक दूरी 30 किलोमीटर घटि जायत।
जनतब दी जे एहि परियोजनाक कुल लागत 1199.58 करोड़ टका छैक, जाहि मे 1101.99 करोड़ टकाक सिविल काज शामिल अछि। ई परियोजना निर्माण एजेंसी मेसर्स गैमन इंजीनियरिंग एंड काॅन्ट्रैक्टर्स प्राइवेट लिमिटेड आ ट्रांसरेल लाइटिंग प्राइवेट लिमिटेड (ज्वाइंट वेंचर) द्वारा क्रियान्वित कयल जा रहल छैक। वर्तमान मे परियोजनाक 54.89 प्रतिशत काज पूरा कयल जा चुकल अछि। बाकी काज दिसंबर धरि पूरा करबाक लक्ष्य छैक। एहि परियोजनाक अंतर्गत कुल तीन गोट पुल सेहो बनाओल जा रहल छैक। 10.02 किलोमीटर नमहर एहि पुलक कुल 171 गोट पिलर मे सँ 166 गोट पुलक निर्माण भ’ चुकल अछि आ 170टा मे सँ 31टा स्पैन पर काज पूरा क’ लेल गेल अछि। एकर अतिरिक्त 60-60 मीटरक दू गोट अन्य पुल सेहो अछि, जकर काज प्रगति पर अछि। एहि परियोजनाक अंतर्गत दू गोट पैघ-पैघ अंडरपास अछि, जाहि मे सँ एकटा अंडरपासक काज प्रगति पर अछि। एहि परियोजनाक अंतर्गत चारि गोट पुलिया सेहो छैक, जाहि मे सँ दू गोट पुलियाक काज प्रगति पर छैक। संगहि, एहि परियोजना मे एकटा टोल प्लाजा सेहो छैक आ 10.2 किलोमीटर नमहर एहि पर छह टा बस पड़ावक प्रावधान छैक। से एहि पुलक निर्माण सँ सुपौल-मधुबनीक दूरी कम भ’ जायत। एकर निर्माणक बाद सुपौल सँ मधुबनीक दूरी 30 किलोमीटर कम भ’ जयतैक। जनतब दी जे एखन सुपौल सँ मधुबनी अयबाक लेल लोक केँ 100 किलोमीटरक दूरी तय करय पड़ैत अछि, जे घटि क’ 70 किलोमीटर भ’ जायत।
![](https://mithilachapter.in/wp-content/uploads/2023/04/369637553_696936972449690_6333509974883683803_n.jpg)
जनतब इहो जे कोसी नदी पर बनाओल जा रहल एहि पुलक बकौर दिस सँ 2.1 किलोमीटर आ भेजा दिस सँ एक किलोमीटर एप्रोच रोड सेहो बनायल जयतैक। से एप्रोच रोड मिला क’ पुलक कुल लंबाइ 13.3 किलोमीटर भ’ जयतैक। भारतमाला प्रोजेक्टक तहत मधुबनीक उमगांव सँ सहरसाक महिषी तारापीठक बीच बनि रहल फोरलेन सड़क एलाइनमेंट मे ई पुल बनि रहल अछि। से ई प्रोजेक्ट पाँच पैकेज मे बनि रहल अछि, एहि मे सँ एकटा पैकेज अर्थात् पैकेज चारि मे एहि पुलक निर्माण शामिल छैक।
बता दी जे एहि पुल केँ सुचारू भेला सँ नेपाल, बांग्लादेश आ भूटानक संग उत्तर-पूर्वक राज्य सोझे जुड़ि जायत। बागडोगरा एयरपोर्ट पर सेहो आबय-जाय बला केँ बड़ बेसी सहुलियत होयतैक।
ई अछि पुलक औचित्य
असल मे कोसी नदी सदति अपन धार बदलैत रहैत अछि। एहि नदीक दुनू धाराक बीच बड़ बेसी दूरी छैक आ बाढ़िक समय मे ई दूरी आओर बेसी बढ़ि जाइत छैक। से यैह सभ केँ ध्यान मे रखैत एहि पुलक निर्माण कयल जा रहल अछि। पुल, पूबरिया आ पछबरिया बान्ह केँ सोझे जोड़त।