पटना | बिहारक सत्ताधारी महागठबंधन मे शामिल जेडीयू, राजद आ अन्य दल सभक बीच लोकसभा चुनावक लेल सीटक बंटवारा करीब-करीब भ’ गेल अछि। सूत्र सँ भेटल जानकारी अनुसार, जेडीयू आ राजद आगामी लोकसभा चुनाव मे 16-16 सीट पर चुनाव लड़ि सकैत अछि, जखन कि ओकर आन सहयोगी दल कांग्रेस आ लेफ्ट पार्टी सभ आठ गोट सीट पर उम्मीदवार ठाढ़ क’ सकैत अछि।
सूत्रक मोताबिक, ई सहमति राजद प्रमुख लालू प्रसादक छोटका बेटा आ बिहारक डिप्टी सीएम तेजस्वी प्रसाद यादव आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक बीच भेल बातचीत मे बनल अछि। तेजस्वी बीतल 4 जनवरी केँ बेरू पहर 1, अणे मार्ग स्थित मुख्यमंत्री आवास पहुँचि क’ सीएम नीतीश कुमार सँ भेंट कयने छलाह आ सीट-बंटवाराक मुद्दा पर राज्यक सभटा 40 सीट पर चर्चा कयलनि। से एना बुझल जा रहल अछि जे तेजस्वी अपन पिता लालू यादवक मैसेज ल’ क’ नीतीश लग आयल छलाह, जाहि पर दुनू मुख्यमंत्री आ उप मुख्यमंत्री चर्चा कयलनि।
राजदक एकटा वरिष्ठ नेता कहलनि जे एकटा मोट फॉर्मूलाक अनुसार, राजद आ जेडीयू 16-16 सीट पर चुनाव लड़त, जखन कि कांग्रेस केँ पांच आ वाम दल सभ केँ तीनटा सीट देल जायत। ओ कहलनि जे एही मे किछु प्लस या माइनस पर समझौता कयल जा सकैत अछि।
जनतब दी जे बिहार मे लोकसभाक 40गोट सीट अछि। से राजद नेता कहलनि, “हालांकि सीट-बंटवारा केँ लगभग अंतिम रूप द’ देल गेल अछि, मुदा किछु सीट पर एखनो किछु दिक्कत अछि, जतय राजद आ जदयू दुनू चुनाव लड़य चाहि रहल अछि।” ओ कहलनि जे एहि मुद्दा केँ सेहो जल्दिये सोझरा लेल जायत।
एहन चर्चा छल जे नीतीश कुमार 17टा सीट पर अड़ल छथि, कारण हुनक पार्टी जेडीयू 2019क लोकसभा चुनाव मे भाजपाक संग साझेदारी मे एतबे सीट पर चुनाव लड़ल छल आ ताहि मे सँ 16 गोट सीट जीतल छल। महागठबंधनक एकटा नेता कहलनि जे जँ एहन स्थिति मे राजद आ जदयू दुनू 17-17 सीट पर लड़ैत अछि, त’ वाम दल सभ केँ मात्र एकटा सीट सँ समझौता करय पड़ि सकैत छल।
सूत्र जनौलक जे जहानाबाद आ झंझारपुर सीट पर राजद आ जेडीयूक बीच पेंच फंसल छैक। राजद एहि दुनू सीट पर अपन उम्मीदवार उतारय चाहि रहल अछि, जखन कि एखनुक समय मे दुनू सीट जेडीयू लग अछि। झंझारपुर सँ जेडीयूक रामप्रीत मंडल सांसद छथि, जखन कि जहानाबाद सँ सेहो जेडीयूक चंदेश्वर प्रसाद सांसद छथि।