दरभंगा | एम्स निर्माण केँ ल’ क’ राज्य सरकार द्वारा देल गेल नव प्रस्ताव केँ केंद्र स्वीकृत क’ लेलक अछि। राज्यक प्रस्ताव केँ केंद्र रिस्ट्रक्चर करय मे लागल अछि। से केंद्रक स्वीकृतिक संगहि दरभंगा एम्स निर्माणक बाट खुजि गेल अछि। संगहि इहो मानल जा रहल छैक जे एहि लेल केंद्र सरकार द्वारा जल्दिये टेंडरक प्रक्रिया शुरू क’ देल जायत। तकर कारण ई जे एहि सँ जुड़ल सहमति पत्र केंद्र राज्य सरकार केँ पठा देलक अछि।
जनतब दी जे बिहार सरकार दरभंगा जिलाक शोभन मे बिहारक दोसर आ मिथिलाक पहिल एम्स निर्माणक नव प्रस्ताव दिसंबर 2023क पहिल सप्ताह मे केन्द्र केँ देने छल। स्वास्थ्य विभागक अपर मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत आ संयुक्त सचिव सुधीर कुमार राज्य सरकारक नव प्रस्ताव केँ ल’ क’ दिल्ली गेल छलाह। ओ केंद्रीय स्वास्थ्य एवं परिवार कल्याण मंत्रालयक सचिव सुधांश पंत केँ प्रस्ताव सौंपने छलाह। प्रस्ताव मे राज्य सरकार केंद्रक सभ शर्त केँ गछि लेने छल। जाहि दरभंगा एम्स केँ फोरलेनक कनेक्टिविटी सँ जोड़ल जयबाक बात सेहो अछि। संगहि ओतय केर जमीनक समतलीकरण क’ बिजली आ पानिक आपूर्ति बहाल कयल जयबाक छैक। केंद्र सँ इहो अनुरोध कयल गेल जे ओ दरभंगा मे नव डिजाइनक एम्सक निर्माण कराबय, जे सभ आवश्यकता केँ पूरा करय।
राज्य सरकार दरभंगा एम्सक निर्माण केँ ल’ क’ पहिनहि सँ जमीनक अधिग्रहण करबाक काज क’ चुकल अछि। एम्स निर्माणक लेल 189 एकड़ जमीन चिह्नित कयल गेल छैक। एहि जमीन पर माटिक भराइ, समतलीकरण, छहरदेबालीक निर्माणक लेल राज्य सरकार 309 करोड़क स्वीकृति अप्रैल 2023 मे द’ चुकल अछि। अहाँ सभ केँ बूझल होयत जे सीएम नीतीश कुमार जनवरी 2023 मे समाधान यात्राक क्रम मे चिन्हित कयल गेल जमीनक स्थल निरीक्षण सेहो कयने छलाह।