Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

सीट जीत क’ आनय बला उम्मीदवार सभ केँ ताकि रहल अछि भाजपा, जमीन पर फीडबैक आ सर्वे शुरू


पटना |
 नहुँए-नहुँए 2024क लोकसभाक तैयारी लेल सभ दल फांड़ बान्हि लेने अछि। सोशल साइट्स सँ ल’ क’ जमीनी स्तर धरि सभ दल मेहनत करैत देखल जा रहल अछि, आ ताहि मे सतारूढ़ गठबंधन अर्थात् एनडीए सेहो पाछू नहि अछि। एकरा जँ कनेक आओर बेकछा क’ कहल जाय त’ ई कहल जा सकैए जे 2024क लोकसभा चुनाव केँ ल’ क’ बिहार मे मिशन-40क लक्ष्य निर्धारित कयने भाजपा सेहो सभ सीट पर जिताउ उम्मीदवारक ताका-हेरी शुरू क’ देलक अछि। मने, भाजपाक नेतृत्व मे एनडीए गठबंधन 2024 फेर सँ फतह करबाक मे कोनो कसरि बाकी नहि राखय चाहैत अछि आ तेँ बताओल त’ ई जा रहलैए जे संभावित उम्मीदवार सभ केँ कड़गर चयन प्रक्रिया आ तकर कसबट्टी सँ गुजरय पड़तनि। से मात्र भाजपे नहि, बल्कि एनडीए गठबंधनक शेष सहयोगी दल सभक उम्मीदवार लोकनि केँ सेहो एहि कसबट्टी पर परखल जेतैक। एहि लेल जमीनी स्तर पर भाजपा पब्लिक फीडबैक आ सर्वे करा रहल अछि, आ बताओल जा रहल छैक जे एहि सर्वे मे हिट होबय बला उम्मीदवारे अंतिम रूप सँ टिकटक दावेदार होयताह। एहि लेल पार्टीक प्रदेश इकाइ सभ 40 सीट पर उतारय जाय बला संभावित उम्मीदवार सभक पैनल सेहो तैयार क’ लेलक अछि। से विश्वस्त सूत्रक मानी त’ सभ सीट पर जातीय ओ सामाजिक समीकरण सभ केँ ध्यान मे रखैत पाँच टा सँ छह टा मजगूत दावेदारक सूची तैयार कयल गेलैक अछि। हालांकि, खबरि इहो छैक जे केंद्रीय नेतृत्व कोनो नाम केँ मंजूरी देबय सँ पहिने संभावित उम्मीदवार लोकनिक लोकप्रियता केँ अलग-अलग माध्यम सँ परखबाक निर्णय लेलक अछि। जाहि लेल कतेको स्तर पर फीडबैक एवं सर्वे कार्यक्रम चलाओल जा रहलैए। साफ छैक जे एहि बेर भाजपाक लेल एकहक टा सीट महत्वपूर्ण होयत, आ से तकरे देखैत पार्टी लोकसभा सीट मांगय बला अपन घटक दल सभ सँ सेहो संभावित उम्मीदवारक लिस्ट मंगलक अछि। से ओहि उम्मीदवारक जीतबाक संभावना आ राज्यक राजनीतिक माहौल केँ देखैत टिकट पर नियार कयल जेतैक। मने, सहयोगी दल लोकसभा चुनाव लड़बाक लेल जाहि-जाहि सीटक मांग करत, ओहि पर सहयोगी दल सँ उम्मीदवारक नामक संग-संग हुनक जीतबाक आधार आ संभावना सेहो पूछल जेतैक। बताओल जा रहलैए जे मात्र परिवारवाद, पाइ वा अन्य कोनो फैक्टरक आधार ककरो सीट नहि देल जायत। कहल इहो जा रहल छैक जे जँ घटक दल सभक बीच कोनो सीट आ उम्मीदवारक नाम पर जँ पेंच फंसतैक, त’ भाजपा आलाकमान जीतबाक संभावनाक आधार पर मामला केँ सोझरयबाक यत्न करत।
समवेत मे कही त’ विपक्षी दल सभक एकजुटता आ एक लोकसभा सीट सँ विपक्षक एक मात्र उम्मीदवार उतारबाक विपक्षी गठबंधनक घोषणा केँ देखैत भाजपा किछु बेसी सतर्क देखा रहल अछि। से जनतब इहो सोझा आयल अछि जे संभावित उम्मीदवार लोकनिक लोकप्रियता केँ जंचबाक लेल निजी एजेंसीक माध्यम सँ सर्वे चलि रहल छैक। ई एजेंसी अपन पैनलक उम्मीदवार सभक संग-संग विपक्षी खेमाक उम्मीदवार सभक ताकत आ कमजोरीक सेहो पता लगयबाक प्रयास करत।

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited