Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

दरभंगा मे प्रस्तावित एम्स निर्माणक बाट मे आब ई नव पेंच

आवाज डेस्क | मिथिला प्रक्षेत्रक दरभंगा मे प्रस्तावित राज्यक दोसर बहुप्रतिक्षित एम्सक बाट मे आब नव रोड़ा आबि गेल अछि। से ई जे केंद्र सरकार एहि प्रोजेक्टक लेल बिहार सरकार सँ एक्स्ट्रा 50 एकड़ जमीनक मांग कयलक अछि।
जनतब दी जे मिथिलाक लोक सभ केँ उच्च स्तरीय स्वास्थ्य सुविधा दियबाक लेल दरभंगा मे एकटा एम्सक स्थापना कयल जा रहल अछि। मुदा केंद्र सरकारक नव डिमांड सँ एहि मे फेर लक्कड़ लागैत देखल जा रहल अछि, कारण जमीन आ लोकेशन केँ ल’ क’ केंद्र आ बिहार सरकारक बीच मारिते रास प्रकारक मतभेद पहिनहि सँ चलि रहल छैक। केंद्रीय स्वास्थ्य आ परिवार कल्याण मंत्रालय बिहारक स्वास्थ्य विभाग केँ एहि सँ संबंधित पत्र पठओलक अछि। केंद्रीय स्वास्थ्य विभागक संयुक्त सचिव अंकिता मिश्रा बुंदेला राज्य स्वास्थ्य विभागक अतिरिक्त मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत केँ पत्र 27 दिसंबर, 2023 केँ पठाओल गेल छैक, जाहि मे भविष्यक आवश्यकता सभ केँ पूरा करबाक लेल 150 एकड़क अतिरिक्त 50 एकड़ जमीनक मांग कयल गेल अछि।
संयुक्त सचिवक पत्र मे दरभंगा मे प्रस्तावित एम्सक लेल 20 एमवीए स्थायी बिजली कनेक्शनक संग 4-लेन रोड कनेक्टिविटी आ 1.5 एमएलडी पीबय वला पानिक सप्लाइ सन  मूलभूत आवश्यकता पर बिहार सरकारक ध्यान आकृष्ट कयल गेल अछि। केंद्रीय मंत्रालय कहलक जे शोभन बाइपास वला जमीन पर बनय वला एम्सक डिजाइन मे किछु सुधारक सेहो जरूरत छैक, जाहि लेल जमीन चाही। मिथिलाक पैघ आबादी केँ हाइ-फाइ स्वास्थ्य सेवा देबाक लेल दरभंगा मे एम्स प्रोजेक्टक घोषणा 2015-16 केर केंद्रीय बजट मे कयल गेल छल। मुदा केंद्र आ राज्य सरकारक बीच जमीन आ आन-आन मुद्दा सभक कारणेँ मारिते रास बाधा सभक सामना करय पड़ल अछि, जाहि कारणेँ एखन धरि दरभंगा एम्स नहि बनि सकल अछि।
जनतब दी जे दरभंगा एम्स पहिने दरभंगा मेडिकल कॉलेज एंड हॉस्पिटल मने डीएमसीएचक परिसर मे बनाओल जयबाक छल। एहि पर काज सेहो शुरू भ’ गेल छल। मुदा अचानक बिहार सरकार अपन इरादा बदलि देलक आ अप्रैल 2023 मे बलिया मौजाक अंतर्गत शोभन गाम मे एकटा नव स्थान पर जमीन देबाक घोषणा नीतीश कुमारक सरकार क’ देलक। तकरा बाद एहि प्रोजेक्ट पर जमि क’ राजनीति भेल। बड़ बेसी प्रयासक बाद शोभन मे एम्स बनाबय पर सहमति बनल त’ आब एक बेर फेर नव मामला सोझा आबि गेल अछि। 
असल मे राज्य सरकार एम्सक लेल 150.13 एकड़ अतिक्रमण-मुक्त भूमिक आवंटन क’ देने अछि। लो लैंडक मामला उठाओल गेला पर माटि-भराव करबाक लेल 309 करोड़ टका मंजूर कयल गेल छल। हालाँकिकेंद्र सरकार आब भविष्य मे विस्तार आ विकासक लेल आओर बेसी जगहक आवश्यकताक हवाला दैत अतिरिक्त 50 एकड़ जमीन मांगलक अछि।
एहि सँ पहिने बिहार सरकार अपना दिस सँ केंद्रक संग सहयोग करबाक इच्छा व्यक्त कयलक। से दिसंबर, 2023 केँ लिखल एकटा पत्र मे बिहार स्वास्थ्य विभागक अपर मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत दरभंगा मे एम्स परियोजनाक लेल भूमि आवंटित करबाक राज्यक फैसलाक जानकारी देलक। ओ कहलनि जे कुल 113.86 एकड़ सरकारी भूमि पहिनहि सरकार केँ निःशुल्क ट्रांसफर कयल जा चुकल अछि। एकर अलावा, 36.27 एकड़ निजी भूमिक अधिग्रहण प्रोग्रेस मे अछि। एहि प्रकार सँदरभंगा मे एम्सक निर्माणक लेल कुल 150.13 एकड़ भूमि उपलब्ध कराओल जायत।
एहि बीच बिहार सूचना आ जनसंपर्क मंत्री संजय कुमार झा सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्सक माध्यम सँ लोक सभ केँ आश्वस्त कयलनि जे राज्य सरकार हर स्थितिक लेल तैयार अछि। ओ कहलनि जँ केंद्र सरकार बेसमेंटक उपयोग पार्किंग आ आन सुविधा सभक निर्माणक लेल करय चाहैत अछि त’ राज्य सरकार माटि भराइ काजक लेल स्वीकृत राशि सोझे निर्माण एजेंसी केँ पठा देत। मुदाजँ केंद्र शोभनक जमीन मे माटि भराइक लेल कहत त’ राज्य सरकार द्वारा एकरा लेल आवश्यक प्रक्रिया तुरत शुरू क’ देल जायत।
 
 

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited