Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

ग्राम पंचायत आ ग्राम कचहरीक सभ प्रतिनिधिक बढ़त मानदेय

पटना | मुखिया, उपमुखिया, वार्ड सदस्य, सरपंच, उपसरपंच आ पंच लोकनिक मासिक भत्ता दुगुना होयत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ग्राम पंचायत आ ग्राम कचहरीक एहि प्रतिनिधि लोकनि केँ नव बरखक बड़का उपहार देलनि अछि। से ओ बीतल दिन हिनका लोकनि भत्ता मे सम्मानजनक वृद्धिक घोषणा कयलनि आ पंचायती राज विभागक पदाधिकारी लोकनि केँ आवश्यक कार्रवाई करबाक निर्देश देलनि।

मुख्यमंत्रीक एहि घोषणाक बाद पंचायती राज मंत्री मुरारी प्रसाद गौतम जानकारी देलनि जे एहि प्रतिनिधि लोकनिक भत्ता मे राज्य सरकार दुगुना वृद्धि करय जा रहल अछि। ओ जनौलनि जे भेंट करय आयल ग्राम पंचायत आ ग्राम कचहरीक प्रतिनिधिमंडलक समक्ष मुख्यमंत्री कहलनि अहाँ सभ गोटे खूब नीक जकाँ काज क’ रहल छी। अहाँ सभ जे मांग कयलहुँ अछि, ओहि आधार पर भत्ता मे सम्मानजनक वृद्धि कयल जायत। 
एक अणे मार्ग स्थित लोक संवाद मे बीतल दिन मुखिया, उपमुखिया, वार्ड सदस्य, सरपंच, उपसरपंच आ पंच सभक शिष्टमंडल सीएम नीतीश सँ शिष्टाचार भेंट कयलनि आ अपन समस्या हुनका सोझा रखलनि। से मुख्यमंत्री समस्या सभ केँ सुनलोपरांत कहलनि जे राज्य मे पंचायती राज्य व्यवस्था केँ बढ़िया बनयबाक लेल मारिते रास डेग उठाओल गेल अछि। बरख 2005 मे सरकार मे अयलाक बाद पंचायती राज व्यवस्था केँ बेहतर कयल गेल। पंचायती राज संस्था सभ एवं नगर निकाय सभक चुनाव मे महिला लोकनि केँ 50 प्रतिशतक आरक्षण देल गेल। एहि सँ भारी संख्या मे महिला लोकनि समाजक नेतृत्व करबाक लेल आगू अयलीह। गाम आ टोल सभ मे पकिया गली आ नालीक निर्माण कराओल गेल। हर घर धरि नल केर जल पहुँचाओल गेल। घरे-घर बिजली पहुंचाओल गेल। सभ पंचायतक वार्ड सभ मे सोलर स्ट्रीट लाइट लगाओल जा रहलैक अछि। 
एहि अवसर पर वित्त मंत्री विजय कुमार चौधरी, पंचायती राज मंत्री मुरारी प्रसाद गौतम, मुख्यमंत्रीक प्रधान सचिव दीपक कुमार आ डाॅ. एस सिद्धार्थ, पंचायती राज विभागक अपर मुख्य सचिव मिहिर कुमार सिंह, वित्त विभागक प्रधान सचिव अरविंद कुमार चौधरी आ पंचायती राज विभागक निदेशक आनंद शर्मा उपस्थित छलथि।


एखन कतेक छैक मानदेय
पद                  संख्या मानदेय
मुखिया          8067 ₹2500
उप मुखिया          8067 ₹1200
वार्ड सदस्य          109634         ₹500
सरपंच            8067 ₹2500
उप सरपंच          8067 ₹1200
पंच                 109634         ₹500
पंचायत समिति सदस्य         11094 ₹1000
जिला परिषद सदस्य         1160 ₹2500
प्रमुख         533         ₹10000
उपप्रमुख                 533          ₹5000
जिला परिषद अध्यक्ष         38          ₹12000
जिला परिषद उपाध्यक्ष         38          ₹10000

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited