Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.
मिथिला चैप्टर, मातृभाषा प्रेमक एकटा पराकाष्ठा छैक। ओ कवि कोकिल विद्यापतिक कहब छैक ने, ‘देसिल बयना सभ जन मिठ्ठा‘। से बुझू जे हमरा लोकनि एहि उक्ति केँ डीएनए मे उतारि लेलहुँ। तकर परिणाम ई भेल, जे करब, जेना करब बस मातृभाषा मे करब आ मातृभाषा लेल करब। हमरा लोकनि एहि वेबसाइटक अतिरिक्त यूट्यूब सँ प्रिंट मीडिया धरि मैथिलीमय कयने छी। एक दिस जतय हम सभ YouTube आ वेबसाइट पर ‘मिथिला चैप्टर‘क नाओ सँ लगातार प्रतिष्ठा अरजि रहल छी, त‘ संगहि प्रिंट मीडियाक क्षेत्र मे ‘मिथिला आवाज‘ नाम अनवरत लतरि-चतरि रहल अछि। प्रयास अछि जे मातृभाषाक औजार सँ थाकल-ठेहियाएल राजनीति सँ ल‘ क‘ मौलायल पत्रकारिता धरिक भंगठी ठीक कयल जाय। मैथिलक आँखिक बलेँ वैश्विक स्तर सँ ल‘ क‘ गाम-पंचायत धरि पर नजरि खिराओल जाय। मूलतः अपन सुख-दुख अपना लोकक संग अपना भाषा मे बांटल जाय।
जखन चौबगली मीडिया पर सत्ताक प्रवक्ता बनबाक आरोप बढ़ल जा रहल अछि, त‘ एहना समय हमरा लोकनिक प्रयास अछि जे जनताक वक्ता बनल जाय।
संगहि हमरा लोकनि एतय खबरिक धुमसाहीक बीच बोनस केर रूप मे साहित्य, कला, संस्कृति, लोक-राग, आदिक प्रसार सेहो कोनो एकांत सँ बहराइत कर्णप्रिय धुन जकाँ करबाक यत्न करैत आबि रहल छी।
मने, हम मिथिला टू मैथिली भाया मैथिल केँ रिप्रेजेंट कयनिहार मीडिया ब्रांड छी। जकरा अपन ठेंठपना पर गुमान छैक। अहाँ सभक सिनेह अपेक्षित।
If you look at what you have in life, you’ll always have more. If you look at what you don’t have in life, you’ll never have enough.
-Oprah Winfrey
डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।
Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited