पटना | बिहारक शिक्षा मंत्री प्रो. चंद्रशेखर एक बेर फेर एहन कमेंट कयलनि अछि, जाहि पर राजनैतिक घमासान तेज भ’ गेल अछि। ओ अयोध्या मे बनि रहल राम मंदिर पर कमेंट करैत कहलनि जे मंदिर गुलामीक रस्ता अछि आ शिक्षा प्रकाशक रास्ता। ओ कहलनि जे आइ छद्म हिंदूवाद सँ सावधान रहबाक बेगरता छैक। ओ आगू कहलनि जे जाहि जगह केँ मंदिरक स्थल निर्धारित कयल गेल अछि, ओ निश्चित रूप सँ शोषणक स्थल बनाओल गेल अछि आ ई किछु षड्यंत्रकारी सभक जेबी भरबाक माध्यम छैक।
प्रोफेसर चंद्रशेखर एतहि नहि रुकलाह, ओ त’ एतय धरि कहि देलनि जे मंदिर लूटबाक आ लूट मचयबाक जगह अछि। बिहारक शिक्षा मंत्री कहलनि जे जँ अहाँ केँ चोट लागत त’ अहाँ मंदिर जायब वा अस्पताल। ठीक तहिना जँ अहाँ केँ ज्ञान अर्जित करबाक अछि, पढ़ि-लिखि क’ बड़का अधिकारी वा होशियार बनबाक अछि त’ विद्यालय जाय पड़त, मंदिर जाय सँ काज नहि चलत। ओ डेहरीक आरजेडी विधायक फतेह बहादुर सिंहक हिंदू देवी- देवता सभ केँ ल’ क’ देल जा रहल बयानक सेहो समर्थन कयलनि।
असल मे, डेहरी मे सावित्रीबाई फुलेक जयंती समारोह मे शामिल होबय शिक्षा मंत्री चंद्रशेखर पहुँचल छलाह। हुनका संग बिहार सरकारक भूमि सुधार आ राजस्व मंत्री आलोक मेहता आ अति पिछड़ा कल्याण मंत्री अनीता देवी सेहो मौजूद छलीह।