स्पेशल रिपोर्ट | उम्र सत्तर पार क’ चुकल अछि वा फेर एकरा छूबय-छूबय पर अछि। मुदा, स्थिति ई छैक एखनो चुनावी मैदान मे उतरबाक लेल मोन कसमसा रहलनि अछि। हम बात क’ रहल छी बिहार मे एनडीए खेमाक ओहि सांसद लोकनि जे अब जीवनक 70 बरखक अवस्था मे ताल ठोकि रहलाह अछि। आ से मात्र ताले नहि ठोकि रहलाह अछि अपितु चर्चाक केंद्र मे सेहो छथि। जखन कि बिहार मे सीट बंटवारा आ कि टिकटक मामला क्लीयर होबय-होबय पर अछि, तेहन सन स्थिति मे जदयू आ भाजपाक 70 बरख पार क’ चुकल आधा दर्जन सँ बेसी सांसद, जाहि मे चारि टा सांसद एहन छथि जे केंद्र मे मंत्री सेहो छथि हिनका लोकनि पर सभक नजरि टिकल अछि।
बिहार सँ एनडीएक चारिटा एहन सांसद छथि, जिनक उम्र सत्तर पार अछि आ ओ एखन केंद्र मे मंत्री छथि। एहन सांसद सभ पर नजरि दी त’ केंद्रीय मंत्री पशुपति कुमार पारस, जे कि राष्ट्रीय लोक जनशक्ति पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष छथि आ एखन मोदी सरकार मे खाद्य प्रसंस्करण उद्योग मंत्रालय देखि रहलाह अछि। हिनक उम्र बहत्तर बरख अछि। तहिना भाजपाक फायर ब्रांड नेता आ एखन केंद्र मे ग्रामीण विकास एवं पंचायतीराज मंत्रालय देखि रहल गिरिराज सिंह 71 बरखक भ’ चुकल छथि। 71 बरखक आर के सिंह अर्थात् राजकुमार सिंह सेहो छथि, जे आरा सँ भाजपाक सांसद छथि आ एखन केन्द्र सरकार मे नवीन और नवीकरणीय ऊर्जा मंत्री छथि। तहिना अश्विनी कुमार चौबे सेहो उम्रक इकहत्तर बरखक पड़ाव पार क’ चुकल छथि। जेना कि अपने लोकनि जनैत छी जे अश्विनी चौबे सेहो भारत सरकारक उपभोक्ता मामला, खाद्य आ सार्वजनिक वितरण, पर्यावरण, वन आ जलवायु परिवर्तन राज्य मंत्री छथि।
एकर अतिरिक्तो भाजपा आ जदयूक कतेको दिग्गज एहन छथि जे जिनगीक सत्तर बसंत खेपि चुकल छथि मुदा टिकट लेल एखनो कसमसाइत देखल जा रहलाह अछि। एही सूची मे जदयूक दिलकेश्वर कामत छथि,जे कि सतहत्तर बरख भ’ गेल छथि। पटना साहिब सँ भाजपाक सांसद रविशंकर प्रसादक उम्र सेहो सत्तर बला आंकड़ा छूबि लेने अछि। तहिना पूर्वी चंपारणक सांसद राधामोहन सिंहक उम्र चौहत्तर बरखक अछि। त’ शिवहर लोकसभा क्षेत्र सँ भाजपाक टिकट पर लगातार जीतैत आबि रहल रमा देवी सेहो आब चौहत्तर बरखक भ’ गेलीह अछि। जहानाबाद सँ जदयूक सांसद चंद्रेश्वर चंद्रवंशीक उम्र सेहो सत्तर पार मने बहत्तर बरखक अछि।
त’ ओतहि कतेको सांसद एहनो छथि जिनक अवस्था सत्तर बरखक लगीच अछि। जेना कि सासारामक सांसद छेदी पासवानक उम्र अड़सठ बरख अछि। त’ काराकाट सँ जदयूक सांसद महाबली सिंह सेहो अड़सठ पार क’ रहलाह अछि। झंझारपुर सँ जदयूक सांसद रामप्रीत मंडल अड़सठ बरखक भ’ चुकल छथि, त’ नालंदा सँ जदयू सांसद कौशलेंद्र पैंसठ बरखक छथि।
से राजनीतिक चौबटिया पर एहि बातक चर्चा अछि जे जदयू आ भाजपा अपन कतेको उम्रदराज सांसद केँ विश्राम द’ सकैत अछि। मने भीतरिया खबरि ई छैक जे 70 पार क’ चुकल कतेको सांसदक एहि बेरूक लोकसभा चुनाव मे टिकट कटि सकैत अछि त’ किछु सांसदक क्षेत्र बदलल जयबाक बात सेहो सोझा आबि रहल अछि। खबरि ई छैक जे हिनका लोकनिक जगह पर किछु नव आ युवा चेहरा पर पार्टी दांव खेलबाक तैयारी मे अछि। संगहि इहो कहल जा रहलैए जे 70 बरख पार क’ चुकल सांसद लोकनि सक्रियता पर आला कमानक नजरि छैक आ ककर टिकट कटत आ के फेर सँ टिकट ल’ क’ चुनावी मैदान मे उतरतास से निर्णय शीघ्रहि भ’ जायत।