आवाज डेस्क | अपने लोकनि जनैत छी जे मैथिली मे बहुतो गोटे जानकी चालीसा लिखने छथि, जाहि मे सँ किछु पुस्तकक आकार मे सेहो सोझा आयल अछि। मुदा, संभवतः ई पहिल बेर अछि जे मैथिली जानकी चालीसाक ऑडियो वर्जन सार्वजनिक कयल गेलय। ई उत्कृष्ट काज कयलक अछि मैथिली गीत-संगीतक उत्थान लेल सदति सँ संकल्पित म्यूजिक कंपनी वीजे इंटरटेनमेंट। ई कंपनी आइ अपन यूट्यूब चैनल पर मैथिली जानकी चालीसा रिलीज कयलक अछि। जकरा अपन कर्णप्रिय स्वर सँ सजओने छथि मैथिलीक सुप्रसिद्ध गायक एवं नायक विकास झा। त’ एहि चालीसाक रचयिता छथि पंडित खेलानंद मिश्र आ संगीत संयोजन किशोर वत्सक छनि। जनतब दी जे वीजे इंटरटेनमेंट के यूट्यूब चैनल पर जा क’ एहि जानकी चालीसा केँ सुनल जा सकैत अछि।