पूर्णिया | आइ एकटा नीक खबरि अपने लोकनिक संग साझा क’ रहल छी। खबरि मिथिला प्रक्षेत्रक पूर्णिया सँ आयल अछि आ खेती-बाड़ी मे भ’ रहल आधुनिक तकनीकक प्रयोग सँ जुड़ल अछि।
असल मे एखन धरि अहाँ ड्रोनक प्रयोग फोटोग्राफी वा फेर वीडियोग्राफीक लेल देखने होयब। मुदा आइ हम अहाँ केँ एकटा एहन खबरि देखा रहल छी, जे देखि अहाँ केँ छगुन्ता लागत। जी, अहाँ अपने एकदम सच पढ़ि रहल छी। जे ड्रोन ड्रोन एखन धरि फोटोग्राफी आ कि वीडियोग्राफीक काज करैत छल, से आब एहि सँ आगू खेतीक काज क’ रहल अछि। ड्रोन आब खेत सभ मे दवाइक छिड़काव क’ रहल अछि। मने आब पूर्णिया मे सेहो ड्रोन सँ कीटनाशकक छिड़काव शुरू भ’ गेल अछि। आ ई आधुनिक तकनीक अपनौलनि अछि पूर्णिया जिलाक केनगर वासी युवा किसान कार्तिक कुमार। से एहि तकनीक केँ देखबाक लेल किसान सभक भीड़ लागल देखल गेल।
जनतब दी जे वर्तमान समय मे जतय एक दिस युवा खेती केँ घाटाक सौदा मानि रहलाह अछि, ओतहि बैंगलौर सँ एमसीए कयलाक बाद कार्तिक सन युवा तकनीक आधारित खेती क’ लाखोक मुनाफा कमा रहलाह अछि। बता दी जे ड्रोनक माध्यम सँ एक एकड़ खेत मे मात्र छह मिनटक भीतर फसलि पर जैविक दवाइक छिड़काव भ’ जाइत छैक आ एहि एक एकड़ मे मात्र 240 टकाक लागत अबैत छैक। मने एहि सँ श्रम आ पाइ दुनूक बचत होइत अछि।
किसान कार्तिक हमर संवाददाता केँ जनौलनि जे ई ग्यारह लाख टकाक ड्रोन अछि जाहि मे बैट्री लागल छैक। एकरा बीच मे एकटा प्लास्टिकक दस लीटरक जार लागल छैक, जाहि मे पानिक संग-संग दवाइ मिला क’ भरल जाइत छैक। तकरा बाद एकरा उड़ा क’ फेर चारू कात खेत मे दवाइ छीटल जाइत अछि।
जनतब इहो जे प्रगतिशील किसान कार्तिक खेतीक संग-संग यूपीएससीक तैयारी क’ रहलाह अछि । ओ कहलनि जे ड्रोनक सुविधा लेल सरकारक पोर्टल पर पंजीकरण करयलहुँ आ तकरा बाद पटना सँ चारि सदस्यीय टीम केनगर गाम पहुँचल छल। तकरा बाद दवाइ छिड़कावक काज संपन्न भेल। युवा किसान कार्तिक मकइ, माछ पालन आ मखानक संग-संग विभिन्न किस्मक आम केर खेती सेहो क’ रहलाह अछि।