पटना | प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी 2 मार्च केँ बिहार आबि रहल छथि। बिहार मे एनडीएक नव सरकार बनलाक बाद प्रधानमंत्रीक ई पहिल बिहार दौरा अछि। आ विभिन्न रिपोर्ट सभक मोताबिक पीएम नरेंद्र मोदी 2 मार्च केँ बेरू पहर एक बजे आपन पहिल कार्यक्रम औरंगाबाद मे करताह, जखन कि ओही दिन सांझु पहर 4 बजे प्रधानमंत्रीक दोसर कार्यक्रम बेगूसराय मे होयब सुनिश्चित अछि। जानकारी इहो भेटि रहल अछि बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि क्रम मे प्रधानमंत्रीक संग रहताह। से प्रधानमंत्रीक एहि कार्यक्रम अर्थात् बिहार दौराक पुष्टि बिहारक डिप्टी सीएम सम्राट चौधरी सेहो कयलनि अछि। ओ आगू कहलनि पीएम नरेंद्र मोदी जाहि दिन बिहार अयताह ओही दिन सँ ओहन लोक, जिनक पांच किलो धरि अनाज भेटैत अछि, हुनका सभ केँ पांच लाख धरि नि:शुल्क इलाजक व्यवस्था सेहो शुरू भ’ जायत। मने प्रधानमंत्री केँ बिहार अयलाक बाद एखन धरि बिहार मे नहि शुरू भ’ सकल आयुष्मान योजनाक शुरुआत होयत।
जनतब दी जे एहि क्रम मे पीएम मोदी औरंगाबाद आ बेगूसराय मे मारिते रास मेगा प्रोजेक्टक उद्घाटन आ शिलान्यास सेहो क’ सकै छथि। एकर अतिरिक्त ओ उमेद इहो छैक जे ओ विशेष पैकेजक सेहो घोषणा क’ सकै छथि। संगहि दरभंगा-आमस एक्सप्रेस वे, दरभंगा एम्स, गांधी सेतुक समानांतर नव पुल सन महत्वपूर्ण योजना सभक शिलान्यास सेहो प्रधानमंत्री द्वारा कयल जा सकैए।
हालांकि दोसर दिस प्रधानमंत्रीक एहि दौरा केँ आगत लोकसभा चुनावक तैयारी केर रूप सेहो देखल जा रहलैए। बल्कि एकरा एना सेहो कहल जा सकैए लोकसभा चुनाव केँ देखैत प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक ई बिहार दौरा अत्यंत महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि।
जनतब दी जे एनडीएक सरकार बनलाक बाद पहिल बेर पीएम बिहार आबि रहल छथि।