मुम्बई | रिलायंस इंडस्ट्रीज भारतक लेल एआइ आधारित चैटबॉट ‘हनुमान’ अगिला मास लॉन्च करत। एहि प्रोजेक्ट पर कंपनी आठ गोट विश्वविद्यालयक संग मिलि क’ काज क’ रहल अछि। एकरा भारत जीपीटी ग्रुप नाम देल गेल अछि। कंपनीक प्रमुख मुकेश अंबानी बीतल दिन एकटा टेक्नोलॉजी कॉन्फ्रेंस मे एकर घोषणा कयलनि अछि। एहि एआइ मॉडल केँ 11 गोट स्थानीय भाषा मे काज करबाक लेल तैयार कयल गेल अछि। हनुमान चारिटा क्षेत्र- शासन, स्वास्थ्य देखभाल, शिक्षा आ वित्तीय सेवा पर काज करत। एहि एआइ मॉडल केँ आइआइटी बॉम्बे आ रिलायंस जियो इंफोकॉम लिमिटेड सरकारक संग मिलि क’ तैयार कयलक अछि। आइआइटी बॉम्बे केर कंप्यूटर साइंस आ इंजीनियरिंग विभागक अध्यक्ष गणेश रामकृष्ण कहलनि जे ई लार्ज लैंग्वेज मॉडल (एलएलएम) पर काज करत। एहि मे स्पीच टू टेक्स्टक क्षमता होयत। ई एहियो लेल जरूरी अछि, कारण देशक करीब 1.4 अरबक आबादी मे लाखो लोक पढ़ि वा लिख नहि सकै छथि। ओ कहलनि जे रिलायंस जियो खास यूजर्सक लेल कस्टमाइज्ड मॉडल सेहो तैयार करत। कंपनी जियो ब्रेन पर सेहो काज क’ रहल अछि जे लगभग 45 करोड़ उपभोक्ताक नेटवर्क पर एआइक इस्तेमाल करबाक लेल एकटा प्लेटफॉर्म अछि।