दरभंगा | मिथिला प्रक्षेत्रक दरभंगा जिलाक मनीगाछी थाना इलाकाक जगदीशपुर गामक रहय वला युवक अशोक कुमार साह तीन बेर दरोगाक परीक्षा देलक, मुदा सफलता हाथ नहि लगलैक। फेर ओ युवक चौंकाबय वला निर्णय लेलक आ देखिते-दिन मे लग्जरी लाइफ जीबय लागल। निर्णय दरोगा बनबाक, फर्जी दरोगा बनबाक। से पुलिस जखन ओकरा पकड़लक ओ त’ कहानी सुनि लोक छगुन्ता मे अछि।
असल मे दरभंगा मे यातायात प्रभारी कुमार गौरव पुलिसक वर्दी पहिर ड्यूटी करैत एकटा सब इंस्पेक्टर केँ गिरफ्तार कयलनि अछि। ई फर्जी सब इंस्पेक्टर वैह अशोक कुमार साह अछि, जे कहियो तीन बेर परीक्षा देलाक बादो असली दरोगा नहि बनि सकल। आ तकरा बाद ई नकली दरोगा बनि दरभंगा मे अवैध उगाहीक कारोबार क’ रहल छल। एहि नकली सब इंस्पेक्टर केँ दरभंगाक मिर्जापुर मे तखन गिरफ्तार कयल गेल, जखन ओ एकटा वाहन चालक सँ अवैध उगाही क’ रहल छल। से गुप्त सूचनाक आधार पर यातायात प्रभारी कुमार गौरव नुका क’ ओतय पहुँचलाह आ फेर शॉल ओढ़ि क’ पहिने नकली दरोगाक कारनामा देखलनि आ फेर गिरफ्तार क’ लेलनि। जकरा लग सँ साढ़े सात हजार टकाक संग आई कार्ड सेहो बरामद भेल अछि।
पुलिसक पकड़ मे आयल अशोकक मानी त’ करीब आठ-नौ मास सँ ओ दरभंगा पुलिसट अतिरिक्त आम लोकक आंखि मे धुरा झोकि रहल छल। ओ स्वयं गछलक जे ओ तीन बेर दरोगाक भर्ती परीक्षा द’ चुकल अछि आ तेँ ओकरा दरोगाक तौर-तरीका बुझल छैक। से ओ लगातार वर्दीक रौब देखा क’ वसूली करैत छल।
एहि संबंध मे सदर डीएसपी जनौलनि अछि जे ओकरा लग सँ किछु कागज-पतर सेहो बरामद भेल अछि। संगहि ओकर बरामद मोबाइलक सेहो जांच कयल जा रहल अछि।