स्पोर्ट्स डेस्क | कहबाक लेल त’ रणजी ट्रॉफीक एहि बेरक सीजन बिहारक लेल बहुत खराब रहल, एहि टूर्नामेंट मे बिहार टीमक सफर सेहो ठमकि गेल, एलिट ग्रुप मे पहिल बेर खेलय उतरल बिहार भले ही एकहु गोट जीत नहि हासिल क’ सकल। मुदा, आह्लादक गप्प ई जे एहि टूर्नामेंट मे बिहारक कइएक गोट खेलाड़ीक प्रदर्शन प्रभावशाली रहल वा एना कही जे बिहारक मारिते रास खेलाड़ी रणजी ट्रॉफीक एहि सीजन मे अपन दम देखौलनि अछि। से ताही आधार पर कहल जा सकैए जे मुकेश कुमारक बाद अपन काबिलियत केर बलेँ बिहार टीमक पांच गोट खेलाड़ी टीम इंडिया मे जगह बनयबाक दम रखैत छथि। ओ 5 गोट खेलाड़ी छथि-
सकीबुल गनी
मूलतः मोतिहारीक रहनिहार 24 बरखक सकीबुल गनी रणजी ट्रॉफी मे बैटिंगक अतिरिक्त बाॅलिंग डिपार्टमेंट मे अपन दमखम देखौलनि अछि। गनी बिहार दिस सँ एकलौता बल्लेबाज बनलाह, जे 150 रनक जबर्दस्त पारी खेललनि। असम केर खिलाफ ओ 4 गोट विकेट सेहो लेने छलाह। सकीबुल कहलनि जे एलिट ग्रुप मे खेलब एकटा नीक अनुभव देलक। प्रयास रहत जे आगू आबय बला टूर्नामेंट सभ मे बढ़िया प्रदर्शन क’ सकी।
वैभव सूर्यवंशी
समस्तीपुर जिलाक वासी वैभव सूर्यवंशी केँ बिहारक सचिन तेंदुलकर कहल जाइत अछि। मात्र 12 साल 284 दिनक उम्र मे रणजी ट्रॉफी मे डेब्यू कयनिहार वैभव केँ भविष्य मे टीम इंडिया मे खेलैत देखल जा सकैत अछि। हिनक बैटिंग स्कीलक फैन आजिंक्य रहाणे आ शिवम दूबे सेहो छथि। एखन वैभव अंडर-23 सीके नायडू टीमक हिस्सा छथि।
विपिन सौरभ
औरंगाबादक 24 बरखक विपिन सौरभ बिहार टीमक जुझारू खेलाड़ी सभ मे एक छथि। विपिन बैटिंगक संग-संग विकेट कीपिंग सेहो करै छथि। गरीबीक बादो ई खेलाड़ी अपन संघर्ष जारी रखने छथि। हिनका भरोस छनि जे एक ने एक दिन क्रिकेट मे प्रतिमान अवश्य गढ़ताह। विपिन कहै छथि टीम इंडिया मे शामिल होयबाक सपना हमरा सदति प्रेरित करैत अछि। ऑफ सीजन मे सेहो प्रैक्टिस जारी रहत।
पीयूष सिंह
मूलतः पटनाक रहनिहार 22 बरखक पीयूष सिंह मे टीम इंडिया मे शामिल होयबाक सभटा गुण मौजूद अछि। केरलक खिलाफ डेब्यू बला ई बल्लेबाज अपन पहिल रणजी मैच मे 51 रन आ तकरा बाद असमक खिलाफ 103 रनक यादगार पारी खेलने छलाह। जनतब दी जे पीयूष बिहार दिस सँ दोसर खेलाड़ी छथि, जे एहि रणजी सीजन मे शतक मारलनि। पीयूष कहैत छथि ई हुनक पहिल रणजी सीजन छल, से हरेक मैच सँ किछु ने किछु सीखबाक लेल भेटल।
राघवेन्द्र प्रताप सिंह
20 बरखक राघवेन्द्र आंध्र प्रदेशक खिलाफ शानदार हरफनमौला प्रदर्शन कयलनि। ई खेलाड़ी बल्लेबाजी मे दम देखयबाक संग-संग गेंदबाजी मे सेहो विकेट चटका क’ शानदार खेलक नमूना प्रस्तुत कयलनि। राघवेन्द्र उत्तर प्रदेशक खिलाफ 75 रन, आंध्र प्रदेशक खिलाफ 92 रन आ 3 विकेट सेहो लेलनि। ओ कहैत छथि जे टीम इंडियाक लेल खेलबाक सपना तखनहि पूर्ण होयत, जखन हम सभ बेहतरीन क्रिकेट खेलब। सफर एखन जारी अछि।