आवाज डेस्क | मुजफ्फरपुर शहर केर पीएनटी चौकक लगीच खादी मॉलक निर्माण कार्य मे तेजी आबि गेल अछि। करीब चारि मासक अंदर एहि मॉल केँ शुरू करबाक तैयारी चलि रहल अछि। ई उत्तर बिहारक पहला मॉल होयत, जतय एकहि छतक नीचा खादीक रेडिमेड गार्मेंट्स उपलब्ध होयत। तीन फ्लोरक एहि मॉल मे पहिल फ्लोर पर साड़ी सेक्शन, रेडीमेड गार्मेंट्स, क्लोथ रीम सेक्शन आ कैश काउंटर होयत। दोसर फ्लोर पर मीटिंग रूम, गोदाम आ तेसर फ्लोर पर एकटा पैघ हॉल बनाओल जा रहल अछि। एहि मॉल केँ खुजला सँ लोकल फॉर वोकल केँ बढ़ावा भेटत। एहि सँ जिलाक करीब एक हजार कत्तिन आ बुनकर लोकनि केँ रोजगार भेटबाक संभावना छैक। एहि मॉल मे खादीक सभ तरहक वस्त्र उपलब्ध रहत। खादी ग्रामोद्योग बोर्ड जिला मे खादीक विकास मे सहयोग क’ रहल अछि। मॉल केँ नीक तरीका सँ संचालित करबाक लेल चरखाक संग-संग उत्पादनक लेल कार्यशील पूंजी सेहो देल जायत। एकरा संगहि खादी उत्पादन करय बला संस्था सभ केँ आधुनिक युगक हिसाब सँ वस्त्र निर्माण कराबय वा ओकर बाजारक व्यवस्था सेहो सुनिश्चित होयत। बोर्ड सँ जुड़ल संस्थाक तैयार समान केँ खादी मॉल वा जिला खादी ग्रामोद्योग संघ दिस सँ चलय बला बिक्री केंद्र पर उपलब्ध कराओल जायत। खादी ग्रामोद्योग संघक महामंत्री वीरेंद्र कुमार कहलनि जे खादी मॉल ग्रामोद्योगक लेल एकटा पैघ योजना अछि। एकरा शुरू भेला सँ खादी संस्था सभ पुनर्जीवित होयत। महिला सभक लेल नव रोजगारक सृजन होयत। एतय सभ तरहक अत्याधुनिक ड्रेस खादीक कपड़ा सभ मे उपलब्ध होयत। एकरा लेल हमरा लोकनि फैशन डिजायनर सँ कपड़ा सभक डिजायन करायब आ ओकरा मॉलक अतिरिक्त खादीक अन्य बिक्री केंद्र सभ पर राखब।
मॉल मे सेहो रहत खादी ग्रामोद्योगक उत्पाद
मॉल मे खादीक वस्त्र सभक अलावा ग्रामोद्योग संघ द्वारा उत्पादित सत्तू, सरिसोक तेल, साबुन, शहद, तिलौड़ी सहित अन्य उत्पाद सभ सेहो रहत। एकरा लेल अलग सेक्शन बनाओल जायत। एहि वस्तु सभक उत्पादन महिला समूह द्वारा खादी भंडार मे कयल जा रहल अछि। तैयार वस्तु सभक बिक्री एखन संघक माध्यमे कयल जा रहल अछि।