स्पेशल रिपोर्ट | जन सुराज अभियानक सूत्रधार प्रशांत किशोर राजनीति मे परिवारवाद पर तंज कसैत कहलनि जे लालू जीक बयान पर कठोर टिप्पणी करब बेइमानी अछि। लालू यादव अपन एहि तरहक बयानक लेल जानल जाइत छथि, से राजनीति मे जतय धरि परिवारवादक बात अछि त’ ई सभ तरहेँ गलत अछि, परिवारवाद घुन जकाँ राजनीति केँ बर्बाद क’ रहल अछि। जँ नेतेक बच्चा नेता बनत त’ एहि सँ लोकतंत्रे देश मे खत्म भ’ जायत। बाकीक बात अहाँ छोड़ि दियौ, हम अहाँ केँ बिहारक एकटा आंकड़ा दैत छी, ओ आंकड़ा जे मोदी जी नहि बाजै छथि। से प्रशांत किशोर कहलनि जे आइ बिहार मे पछिला 30 बरख सँ मात्र 1हजार 250 परिवारक लोके राजनीति मे विधायक आ मंत्री बनलाह अछि। बिहार मे आइ कोनो एहन विधानसभा क्षेत्र नहि अछि जतय राजनीतिक परिवार सभक दबदबा नहि हो। पीएम मोदी केँ चंपारण मे बिहारक जनता केँ बतयबाक चाही जे हुनक अध्यक्ष सम्राट चौधरी परिवारवाद की उपज छथि वा नहि?
ओ कहलनि जे देश भरि मे हम देखलहुँ अछि जे जँ अहाँक पिता जी विधायक-मंत्री नहि छथि, त’ अहाँक लेल चुनावी राजनीति मे आयब बड़ बेसी कठिन अछि। जकर उदहारण ई अछि जे बीतल 30 बरख मे पता चलल अछि जे 1250 परिवारक लोके टा विधायक-सांसद बनलाह अछि। परिवारवाद केँ ल’ क’ हमरा लगैत अछि जे एकटा लालू जीक परिवार आ एकटा राम विलास पासवान जीक परिवार अछि, एहन बात बात नहि छैक। सभ प्रखंड मे दू-चारि टा परिवार एहन अछि जिनक राजनीति पर कब्जा अछि। दल कोनो रहय, नेता कोनो रहथि एखन उदाहरण कहब जाहि मे अहाँ कोनो दल केँ ल’ आउ नेता वैह रहत, ओही परिवारक रहत।
प्रशांत किशोर आगू कहलनि जे बिहारक आबादी अछि 13.5 करोड़। एतय 3.5 करोड़ परिवारक लोक रहैत छथि। मुदा, विधायक-सांसद 1250 परिवारक लोके बनैत अछि। आरजेडी आ क्षेत्रीय दल सभक बारे मे सभ बुझैत अछि जे ओ परिवारवादक पार्टी अछि। मुदा, भाजपा केँ ल’ क’ लोक केँ लगैत छैक जे ई परिवारवादक पार्टी नहि अछि।
ओ उदहारण दैत कहलनि जे भाजपा सँ जे उप मुख्यमंत्री छथि सम्राट चौधरी, से शकुनी चौधरीक पुत्र छथि। जख बिहार मे कांग्रेसक दौर छल, त’ ओही मे शकुनी चौधरी विधायक-मंत्री छलाह, लालू जीक दौर मे सेहो, नीतीश जीक दौर मे सेहो, मांझी जी जखन मुख्यमंत्री बनलाह त’ ओहियो मे विधायक-मंत्री शकुनी चौधरी छलाह आ आइ जखन भाजपा केँ दम भेल अछि, त’ ओकरो साधारण परिवारक राजनीतिक कार्यकर्ता, कुशवाहा समाजक कोनो नेता नहि भेटल। ओकरो शकुनी चौधरीक बेटे भेटल।