सहरसा | विधानसभा क्षेत्र अन्तर्गत अमरपुर पंचायत मे विधायक योजना मद अन्तर्गत महंत मिट्टू दास हाई स्कूलक सीमा दीवारक निर्माण कार्य आ नगर निगम केर वार्ड नम्बर नौ केर लतहा नहर सँ बेंगहा जाय वाला सड़क निर्माण कार्यक मंगलदिन उद्घाटन कयल गेल। स्थल पर विधायक डॉ. आलोक रंजन कहलनि जे अमरपुर हाई स्कूल विद्यालय मे बाउंड्री वॉल नहि रहलाक कारणेँ शिक्षक आ छात्र केँ बहुत समस्याक सामना करय पड़ल। खासक खुला मैदान मे स्कूल रहला सँ स्कूल प्रबंधन केँ काफी परेशानी भेल। स्थानीय लोक सभ हमरा सूचित केलनि आ हम सभ तुरंत एकर सिफारिश केलहुँ आ एकर निर्माण करा देलहुं। संगहि लतहाक नहर सँ बेंगहा जाय वाला सड़क सेहो बहुत जर्जर छल। क्षेत्र भ्रमणक दौरान एकर निर्माण कराबै केर बात भेल छल आ आइ एकर उद्घाटन भ’ रहल अछि से बहुत खुशी केर बात अछि। स्थानीय लोग विधायक डॉ. आलोक रंजनक प्रति आभार व्यक्त कयलनि। एहि अवसर पर भाजपा मंडल अध्यक्ष अभिलाश खां, पंचायत अध्यक्ष दिलीप सिंह, मनोज साह, सिकेन्द्र साह, हरिनंदन मेहता, नगर अध्यक्ष भैरब झा, वार्ड पार्षद प्रतिनिधि छोटालाल दास, हेमनारायण गुप्ता उर्फ ताशन सोनू, मणिभूषण सिंह, उमेश शाह रुदल, सुरेश यादव, प्राचार्य शशि कुमार, कापो दास, मेडी दास, मो जमाल, मनचित दास, चौथी दास, चंद्रेश दास, दिनेश दास सहित अनेक ग्रामीण उपस्थित छलाह।
सहरसा सँ सुभाष चन्द्र झाक रिपोर्ट