मधुबनी | प्रेमी बियाह सँ कयलक मना, त’ महिला पुलिस थाना पहुँचि गेलीह प्रेमिका। फेर की मामला मे दिलचस्पी लेलक पुलिस आ करा देलक दुनूक बियाह। ई अजगुत मामला सोझा आयल अछि मधुबनी जिला मुख्यालय सँ। जतय एकटा युवती शहरेक एकटा युवक संग कतेको बरख सँ प्रेम मे पड़ल छल। मुदा जखन लड़की अपन प्रेमी सँ बियाह करबाक बात कहलक त’ ओ युवक बहन्ना करय लागल। जकरा बाद लड़की जिला मुख्यालय स्थित महिला थाना मे पहुँचि पुलिसकर्मी केँ अपन सभटा बात कहि देलक, जकरा बाद पुलिस मामलाक गंभीरता केँ देखैत एक्शन मे आयल आ तत्काल लड़का आ ओकर परिजन केँ बजाओल गेल।
जनतब दी जे मधुबनी मुख्यालय स्थित महाराजगंज निवासी कैलाशक पुत्री माधव साहक पुत्र शंभू कुमार साह सँ एकटा नमहर समय सँ प्रेम करैत छल। से एहि प्रेम मे जखन प्रेमिका बियाह करबाक बात कयलक त’ लड़का मना करय लागल। जकरा बाद लड़की महिला थाना मे जा क’ अपन सभटा व्यथा-कथा कहि सुनौलक। लड़कीक बात सुनलाक बाद थानाध्यक्ष विनीता कुमारी एक्शन मे अयलीह आ लड़का सहित लड़का पक्ष केँ बजा क’ वस्तु स्थितिक जानकारी लेलीह आ तकरा बादे थाने परिसर मे स्थित मंदिर मे दुनू प्रेमी जोड़ाक बियाह करा देल गेल। एहि अजगुत बियाहक गवाह पुलिसकर्मी सभ छलथि। एहि बियाह मे दुनू पक्षक लोक उपस्थित छलथि। दुनू पक्षक सहमति सँ ई बियाह संपन्न भेल। थाना परिसर मे बरियाती सभक स्वागत-सत्कार कयल गेल, खूब मिठाइ सेहो बांटल गेल। समवेत मे कही त’ थाना परिसर मे भेल ई बियाह आब चर्चाक केन्द्र मे अछि।