पटना | जनविश्वास रैलीक आयोजन क’ लालू यादवक पार्टी राजद आ इंडिया गठबंधनक सहयोगी दल सभ बिहार मे लोकसभा चुनाव 2024क शंखनाद क’ देलक अछि। नीतीश-तेजस्वी सरकारक 17 मासक कार्यकाल मे देल सरकारी नौकरी केँ राजद चुनाव मे भजियाबय चाही रहल अछि। अहाँ सभ केँ मोन होयत जे तेजस्वी स्पष्ट कहने छलाह जे काज हमर कार्यकाल मे भेल त’ हम क्रेडिट लेबे करब। मने साफ़ छैक जे सरकारी नौकरी देबाक क्रेडिटक होड़ मचल अछि। जनविश्वास यात्रा सँ जनविश्वास रैली धरि तेजस्वी यादवक ठोर पर यैह 17 महीना बनाम 17 साल मे सरकारी नौकरीक नारा चढ़ल रहल। से आब नीतीश कुमारक पार्टी मने जेडीयू पोस्टरक माध्यमे तेजस्वी यादव केँ जवाब देलक अछि। मने पटना मे जेडीयू कार्यालय पर एकटा बड़का पोस्टर लगाओल गेल अछि। पोस्टर मे नीतीश कुमारक तस्वीर अछि, आ संग मे लिखल गेल छैक रोजगार मतलब नीतीश कुमार।
जनतब दी जे पहिने सँ सेहो जदयू आ भाजपाक नेता लोकनि कहैत आबि रहल छथि जे जखन नीतीश कुमारक नेतृत्व मे सरकार चलि रहल छल त’ तेजस्वी यादव कोना नौकरी द’ देलनि। मुदा विभिन्न जिला सभक दौराक बाद पटनाक गांधी मैदान मे जन विश्वास महारैली केँ संबोधित करैत तेजस्वी यादव रोजगार मुद्दा पर नीतीश कुमार केँ नीक जकाँ घेरने छलाह। से तेजस्वीक एहि दावा केँ कांग्रेस नेता राहुल गांधी, कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खरगे, समाजवादी पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष अखिलेश यादव, सीपीआई एम केर सीताराम येचुरी सहित ओहि मंच सँ भाषण करय बला सभ नेता लोकनि सेहो समर्थन द’ क’ बल देने छलाह। तेजस्वीक पिता लालू प्रसाद यादव आ भाइ तेजप्रताप यादव त’ तेजस्वीक प्रशंसा मे खूब कशीदा पढ़ैत देखल गेल छलाह। तेजस्वी यादव त’ एहि सभा मे अपन पार्टी आरजेडीक नव परिभाषा सेहो कहलनि। ओ कहलनि जे R केर मतलब अछि राइट्स अर्थात अधिकार, J केर मतलब अछि जॉब मने नौकरी आ D केर मतलब अछि डेवलपमेंट मने विकास। कुल मिला क’ बिहार मे देल गेल सरकारी नौकरी केँ तेजस्वी अपन खाता मे समेटय चाहि रहलाह अछि। जखन कि जेडीयू आ बीजेपी ई क्रेडिट नीतीश कुमार केँ देबय चाहैत अछि। एनडीएक स्पष्ट कहब छैक जे नीतीश कुमारक नेतृत्व मे सरकार रणनीति तय करैत अछि आ ओहि पर काज करैत बेरोजगार सभ केँ नौकरी आ रोजगार देल जा रहल अछि। एहि मे तेजस्वी यादवक कोनो योगदान नहि छैक।