पटना | हिंदुस्तानी अवाम मोर्चाक संरक्षक आ एनडीएक सहयोगी जीतन राम मांझी पटना मे भेल महागठबंधनक महारैली बड़का हमला कयलनि अछि। ओ कहलनि जे राजद एंड कंपनी केँ दीपांकर जीक धन्यवाद कहबाक चाही।
असल मे पटना मे 3 मार्च केँ भेल महागठबंधनक महारैली पर हम पार्टी केर संरक्षक आ एनडीएक सहयोगी जीतन राम मांझी चोटगर टोण्ट कसलनि अछि। टोण्ट एहन मांझी लालूक रैलीक तुलना नुक्कड़ सभा क’ देलनि। आ कहलनि जे जँ रैली मे लाल झंडा बरदार नहि पहुँचतथि त’ ई रैली नुक्कड़ सभा बनि क’ रहि जाइत। असल मे जीतन राम मांझी अपन एक्स हैंडल पर एकटा पोस्ट करैत राजद केँ घेरलनि अछि। जे पोस्ट अपने लोकनि सेहो अपन स्क्रीनपर देखि रहल छी। अपन पोस्ट मे मांझी लिखने छथि जे A to Zक दावा करय बला पार्टीक रैली मे आइ जँ लाल झंडा बरदार नहि पहुँचतथि त’ ई रैली नुक्कड़ सभा बनि क’ रहि जाइत। राजद एंड कंपनी केँ दीपांकर जीक धन्यवाद कहबाक चाही जे हुनका बदौलत आइ राजद द्वारा आयोजित नुक्कड़ सभा केँ रैलीक संज्ञा देल जा रहल अछि।
अहाँ सभ केँ बुझल होयत जे महागठबंधनक एहि रैली मे इंडिया अलायंसक सहयोगी दल सभक नेता लोकनि सेहो सहभागी भेल छलाह। जाहि मे सपा अध्यक्ष अखिलेश यादव, कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे, राहुल गांधी, भाकपा मालेक नेता दीपांकर सहित कतेको लेफ्ट पार्टीक नेता लोकनि शामिल छलथि। एहि महारैली मे विशाल जन समूहक जुटानी सेहो भेल छल, जाहि मे वामदलक कार्यकर्ता आ समर्थक लोकनि सेहो लाल झंडा ल’ क’ भारी संख्या मे पहुँचल छलाह। से राजद एक दिस जतय दावा क’ रहल अछि जे रिकार्ड भीड़ गांधी मैदान पहुँचल छल, त’ ओतहि दोसर दिस एनडीएक नेता आ समर्थक सभ जुटल भीड़ पर प्रश्न चेन्ह लगा रहलाह अछि। जदयू जतय एहि भीड़ केँ भाड़ा बला भीड़ कहलक अछि त’ ओतहि जीतन राम मांझी कहलनि अछि जे जँ लेफ्ट पार्टी सभक समर्थन नहि पहुँचतथि त’ ई रैली नुक्कड़ सभा बनि क’ रहि जाइत।