स्पेशल डेस्क | मिथिलाक मधुबनी जिला थर्ड जेंडर वोटरक मामला मे राज्यक दोसर सभ सँ बड़का जिला अछि। बीतल साल धरि ई पहिल नंबर पर छल। आब पटनाक बाद एतय सभ सँ बेसी खास वोटर रहैत छथि। राज्य मे सभ स बेसी थर्ड जेंडर वोटर बला विधानसभा सेहो सीट मधुबनी जिला अछि। भारत निर्वाचन आयोग सँ प्राप्त आंकड़ाक अनुसार, बिहार मे 2023क मुकाबला 2024 मे थर्ड जेंडर वर्गक मतदाता सभक संख्या मे उल्लेखनीय गिरावट भेल अछि। पछिला सालक तुलना मे 5.29% मतदाता घटि गेलाह अछि। मधुबनी मे कुल नौ गोट वोट कम भेल अछि। बिहार मे 2023 मे थर्ड जेंडर वर्गक कुल वोटर 2418 छल। जे कि वर्तमान मे 2290 वोटर रहि गेल। मने 128टा वोटर कम भ’ गेल। ओतहि, उत्तर बिहारक सात गोट जिला मे 2.94 फीसदी वोटर घटि गेलाह अछि। पश्चिमी चंपारण, पूर्वी चंपारण, सीतामढ़ी, मधुबनी मे ई संख्या 506 सँ घटि क’ 455 पर पहुँचि गेल अछि। एहि चारि जिला मे थर्ड जेंडरक कुल 51 गोट वोट कम भेल अछि। कोनो जिला मे ई गिरावट पांच, त’ कतौ 18 फीसदी सँ बेसी अछि। एकर विपरीत दरभंगा, मुजफ्फरपुर आ समस्तीपुर मे 50टा मतदाता बढ़ि गेलाह अछि।
थर्ड जेंडर वर्गक मतदाता सभ सँ जुड़ल एहि आंकड़ा मे सभक ध्यान खींचय बला बदलाव मधुबनी मे देखबाक लेल भेटल अछि। स्थितिक अंदाज एहि बात सँ लगाओल जा सकैत अछि जे एखन धरि सभ सँ बेसी थर्ड जेंडर वर्गक मतदाता बला जिला मधुबनी अछि। मुदा, नव साल पर वोटर सूची संशोधित भेल, त’ वोटरक संख्या स्थिर रहबाक कारणेँ पटना एकरा पाछू क’ देलक। मधुबनी मे एखन धरि एहि श्रेणीक कुल 177गोट वोटर छलाह। पटना मे ई संख्या 173 छल। से आब मधुबनी मे मात्र 168 गोट वोटर रहि गेलाह। सभ सँ बेसी छह गोट वोटर बाबूबरही विधानसभा क्षेत्र मे घटल अछि। एहि आंकड़ा केँ विधानसभा क्षेत्रक दृष्टिएँ देखी, त’ थर्ड जेंडरक एतय 32टा वोटर छल। जे आब ई संख्या घटि क’ 26टा रहि गेल अछि। हालांकि राज्य मे सभ सँ बेसी थर्ड जेंडर वोटर बला विधानसभा सीट मधुबनी जिलाक बिस्फी अछि, जतय एहि वोटरक कुल संख्या 32 अछि।
2023 मे बिस्फी आ वाल्मीकिनगर दुनू विधानसभा क्षेत्र थर्ड जेंडर वर्गक मतदाताक समान संख्या 34क संग पहिल स्थान पर छल। मुदा आब वाल्मीकिनगर मे ई संख्या मात्र 21 रहि गेल अछि। सभ सँ कम थर्ड जेंडर वर्गक वोटर शिवहर जिला मे अछि, जकर संख्या 10 छैक।
थर्ड जेंडर मतदाता घटल (प्रतिशत)
- पश्चिमी चंपारण 18.11
- पूर्वी चंपारण 9.61
- सीतामढ़ी 9.1
- मधुबनी 5.08
थर्ड जेंडर मतदाता बढ़ल (प्रतिशत)
- दरभंगा 1.88
- मुजफ्फरपुर 23.40
- समस्तीपुर 29.6