आवाज डेस्क | लोकसभा चुनाव 2024 केँ ल’ क’ India TV-CNX बिहारक ओपिनियन पोल जारी कयलक अछि। से India TV आ CNX केर एहि ओपिनियन पोल मे राष्ट्रीय जनता दलक नेतृत्व बला इंडिया गठबंधनक नीक खबरि अछि। मने एहि ओपिनियन पोलक अनुसार 2019क लोकसभा चुनाव मे खाता नहि खोलि सकल राजद केँ एहि बेर 4 गोट सीट पर जीतबाक अनुमान लगाओल गेल अछि। मने एकरा एना सेहो कहल जा सकैए जे लोकसभा चुनाव मे 400 सीट जीतबाक प्लानिंग क’ रहल भाजपाक अगुवाइ बला एनडीएक सपना बिहार मे चकनाचूर भ’ सकैत अछि। अनुमान छैक जे बीजेपीक नेतृत्व बला एनडीए केँ बिहार मे 52 फीसदी भोट भेटि सकैत अछि, त’ I.N.D.I.A गठबंधन केँ 34 फीसदी भोट सँ संतोष करय पड़ि सकैत अछि। ओतहि निर्दलीय आ आन-आन छोट पार्टी सभ केँ 14 फीसदी वोट भेटबाक अनुमान लगाओल गेल अछि।
सर्वे अनुसार एनडीए केँ भेटय बला सीट
- वाल्मीकिनगर
- वैशाली
- दरभंगा
- बेगूसराय
- पूर्णिया
- नालंदा
- पश्चिम चंपारण
- हाजीपुर
- मधुबनी
- भागलपुर
- पटना साहिब
- सासाराम
- पूर्वी चंपारण
- सारण
- झंझारपुर
- समस्तीपुर
- पाटलिपुत्र
- बक्सर
- शिवहर
- उजियारपुर
- अररिया
- जमुई
- जहानाबाद
- आरा
- सीतामढ़ी
- महाराजगंज
- सुपौल
- मुंगेर
- गया
- मुजफ्फरपुर
- गोपालगंज
- मधेपुरा
- कटिहार
- औरंगाबाद
- काराकाट
सर्वे अनुसार इंडिया गठबंधन केँ भेटय बला सीट
- खगड़िया
- बांका
- सीवान
- किशनगंज
- नवादा
रोचक आ मजेदार गप्प ई छैक जे एखन धरि जतेक सर्वे आयल छल ओ मोटा-मोटी 40 सीट मे सँ ककरा कतेक सीट भेटतैक से अनुमान लगौने छल। मुदा इंडिया टीवी आ सीएनएक्सक ई सर्वे कुल चालीसो सीटक एकहक सीट केँ बेकछा क’ ई कहलक अछि। जे आखिर कोन सीट पर ककर पलड़ा भारी अछि वा फेर ककर जीतक संभावना प्रबल छैक। हालांकि ई सर्वे एकटा अनुमान मात्रे छैक आ भविष्य कहत जे ई कतेक सटीक बैसैए। तखन एहि ओपिनियन पोलक आंकड़ा वर्तमान स्थितिक एकटा दृश्य त’ अवश्य फरीछ करैत अछि।