Want to Partnership with me? Book A Call

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

Popular Posts

Categories

Edit Template

गजब : पिंडश्याम छल ब’र तेँ मड़बा पर सँ फेरि देलक कनियाँ

शिवहर | मिथिला प्रक्षेत्रक शिवहर जिला सँ एकटा अजगुत मामला सोझा आयल अछि। मामला ई जे एकटा लड़की बियाह सँ मात्र एहि लेल मना क’ देलक जे लड़का पिंडश्याम छलैक। दोसर दिस लड़काक परिजन लड़कीक परिवार पर ब्लैकमेलिंगक आरोप लगौलक अछि। 

बूढ़-बुढ़ानुस ठीके कहै छथि जे जोड़ी भगवानक घर मे बनैत छैक। से चाहे ताहि लेल बियाह सँ पहिने लड़का-लड़कीक जन्मपत्री मिलान करबाक परिपाटी वा फेर देखा-सूनी सन औपचारिकता। मुदा, जँ भगवानक घर मे लिखल नहि रहत, त’ जोड़ी नहिये बनैत छैक। आ परिणाम ई होइत छैक जे किछु-किछु बियाह मे तेहन कांड भ’ जाइत छैक, जे ओहि गाम-समाजक लेल एकटा कारी इतिहास जकाँ बनि जाइत अछि। एहने एकटा मामला सोझा आयल अछि, शिवहर जिलाक डुमरी कटसरी प्रखंड सँ। जे कि हमरा-अहाँ सहित सगर समाज केँ सोचबा लेल बाध्य क’ देत।

असल मे, बियाहक दिन एकटा ब’र केँ कनियाँ एहि लेल फेरि देलक, कारण ओ पिंडश्याम छल। फेर कि ब’र केँ बिना बियाह कयने घुरय पड़ल। लड़कीक एहि व्यवहार सँ लड़का पक्षक लोक बड़ बेसी दुखी छलाह। हुनका लोकनिक कहब छल जे लड़कीक परिजन सभ ब्लैकमेलिंग पर उतारू रहथि। आब ई बिना बियाह बर केँ घुरि जयबाक मामला चर्चाक केंद्र मे अछि।

बताओल जा रहल अछि जे घटना दू-तीन दिन पहिलुक अछि। जखन गाजा-बाजाक संग लड़का बरियाती ल’ क’ लड़की ओतय पहुँचल। पूरा विधि विधानक संग द्वार पूजा भेल, जयमाला भेल, दुनू पक्षक लोक ब’र-कनियाँ केँ आशीर्वाद देलनि। ताधरि सभ किछु ठीक-ठाक छल। मने ताधरि ककरो भनक नहि छलैक जे आगू लड़की कोन बखेरा ठाढ़ करय वाली अछि। एकर पता तखन चलल जखन मड़वा पर लड़की अचानक लड़का केँ कुरूप कहि क’ बियाह करय सँ मना क’ देलक।

एहि संबंध मे लड़का कहलक जे बियाह सँ पहिने लड़की सँ फोन पर बातचीत होइत छल। लड़की सदति शिकायत करैत छल। लहंगा ठीक नहि अछि, त’ ई नहि अछि ओ नहि अछि। दूल्हाक कहब छैक जे जँ ओ फोने पर बियाह करय सँ मना क’ दैत, त’ हमरा बरियाती ल’ क’ अयबाक कोन काज छल। 

लड़काक आरोप छैक जे बरियाती केँ लड़की पक्ष बंधक बना देने छल आ डरा-धमका क’ 5 लाख टका मांगि रहल छल, नहि देला पर दहेजक झूठ केस मे फंसा देबाक धमकी सेहो द’ रहल छल। लड़का कहलक जे हमरा लोकनि 2 लाख टका सेहो देलहुँ। 

मामला जे हो मुदा ई त’ सच छैक जे ई घटना आब चर्चाक केंद्र मे अछि।

Share Article:

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Akshay Anand

Writer & Editor

Considered an invitation do introduced sufficient understood instrument it. Of decisively friendship in as collecting at. No affixed be husband ye females brother garrets proceed. Least child who seven happy yet balls young. Discovery sweetness principle discourse shameless bed one excellent. Sentiments of surrounded friendship dispatched connection is he. Me or produce besides hastily up as pleased. 

Grow Your Business With Readycoder

Access comprehensive business solutions, coupled with mentoring, technical assistance, and marketing support through Readycoder Private Limited.

A4G MEDIA

Founder, A4G Media

डॉ. सी. एम. झा प्रसिद्ध शिक्षाविद छथि। सीएमजे यूनिवर्सिटीक चांसलर सहित मैथिली मीडिया हाउसक प्रमुख छथि। अध्ययन-अध्यापनक संग-संग समाजसेवा मे रुचि छनि। हिनक दू गोट पुस्तक सेहो प्रकाशित छनि। मिथिलाक समग्र विकास लेल कृत-संकल्पित डॉ. झा मिथिला आवाज अखबार, मिथिला चैप्टर यूट्यूब चैनल, सीएमजे इंटरटेनमेंट म्यूजिक चैनल सहित सीएमजे फिल्म्सक माध्यमे मिथिला समाज केँ एकजुट करबाक प्रयास मे लागल छथि। एही क्रम मे कएक टा औद्योगिक उपक्रम सेहो संचालित क’ रहल छथि। हारि नहि मनबाक प्रवृत्ति हिनक व्यक्तित्वक खास गुण छनि जाहि बलें ई नब-नब कीर्तिमान स्थापित क’ रहला अछि।

Join the family!

Sign up for a Newsletter.

You have been successfully Subscribed! Ops! Something went wrong, please try again.
Edit Template

Technical Partner

Readycoder offer comprehensive business growth solutions, encompassing strategic marketing and technical support services.

Contact Details:-
WhatsApp : +916204061389
Website : www.readycoder.in
Mail : admin@readycoder.in

Copyright © 2023 A4G Media. Powered by Readycoder Private Limited